आब यि दुइ बेटासबमे के आपन बाबुके आग्या मानल्कै?” तब उसब जबाफ देल्कै, “पहिन्का बेटा।” तब येसु उसबके कहल्कै, “साँचेके हम तोरासबके कहैचियौ, बटी उठाइबलासब आ बेस्यासब तोरासबसे अगा परमेस्वरके राजमे परबेस करतौ।
“तोहे धरमगुरुसबके आ फरिसीसबके धिक्कार! तुसब कपटी चिही! कथिलेत तुसब स्वरगके राजके केबार खोलैबला कुजी त लेल्ही, महज नै अपने ढुकलिही नै दोसरके ढुकैले देल्ही।