तब उ सिमोन पतरुस आ येसुके परेम करैबला दोसर चेला लग दौरते ज्याके कहल्कै, “उसब परभुके चिहानसे बाहर ल्यागेलै आ ओकर लहास कते राखनेछै से हमसब नै जानैचियै।”
हम एल्डरके तरफसे, परमेस्वरके चुनल जनी आ ओकर बेटा-बेटीके यि चिठी लिखैचियै, जकरा हम साँचोके परेम करैचियै, हम मातरे नै महज सतके चिन्हैबला सबकोइ परेम करैछै।
हे स्वरगमे भेल्हासब, उ सहर नास भेलासे खुस हो। हे परमेस्वरके पबितर जनसब, परेरितसब आ अगमबक्तासब सबकोइ आनन्द मना! कथिलेत तोरासबके सताबैके कारन परमेस्वर ओकर नियाय करने छै।
हम युहन्ना, यि सब बात सुन्ने आ देखने चियै। जब हम यि बात सुनलियै आ देखलियै, तब हम यि बात देखाइबला स्वरगदुतके अगामे ठेङहुनिया द्याके आराधना करैले खोजलियै।