18 हमर खातिर रजा आ सासकसबके अगामे तोरासबके ठार करतौ। तुसब ओकरासबके आ गैर-यहुदीसबके अगा हमर बारेमे गबाही देबही।
महज लोकसबसे होसियार रह, कथिलेत उसब तोरासबके अदालतसबमे सोइप देतौ आ सभाघरसबमे लज्याके तोरासबके कोरासे पिटतौ।
महज जब तोरासबके पकरतौ, तब कनङके आ कथी बोल्बै तैके चिन्ता नै कर। कथिलेत तोरासबके कथी बोले परतौ से ओहै बखत तोरासबके देल जेतौ,
तब येसु ओकरा कहल्कै, “यि बात ककरो नै कहिहे! महज पुजारी लग ज्याके आपने आपके देखा आ मोसाके बेबस्था अनुसार लोकसबके निक भेल परमान देखाइके लेल भेटी चरहा।”
“आपन बारेमे तुसब होसियार रह! कथिलेत उसब तोरासबके अड्डा खनामे लजेतौ, यहुदी सभाघरसबमे लज्याके पिटतौ। हमर नामके खातिर तोरासबके सासकसब आ रजासबके अगामे हमर गबाही दैले खरा हेब्ही।
तै खातिर आपनौरके परभुके गबाही दैले लाज नै मान आ हम ओकरलेल जहलमे परलियै से बात सोइचके लाज नै मान। महज परमेस्वरके सक्तीमे सुसमाचार सुनाइबला कामके लेल दुख भोगैले तु हमरसङे सामेल हो।
हम युहन्ना, खिरिस्टमे तोरासबके भैया चियौ। येसुमे बिस्बास करलाके कारन हम तोरासबसङे धिरज होके सहने चियै, जे दुख ओकर राजमे हैबलासबमे सेहो आबैछै। परमेस्वरके बचन आ येसु खिरिस्टके करल सतके बारेमे परचार करलाके कारन हमरा पत्मोस टपुमे कैद कैरके राखने छेलै।
उसब आपन गबाही दैबला काम ओरेलाकेबाद नरकसे निकैलके एल उ जानबर ओकरासबसे लराइमे जितके ओकरासबके जानसे माइरदेतै।
तकरबाद थुमा पाँचम लाहटके तोरल्कै, तब बेदीके निचा हम ओइसबके आत्मासबके देखलियै, जकरा परमेस्वरके बचन सुनेलाके खातिर आ ओकर बारेमे गबाही देलाके खतिर काइटके मुवाइने छेलै।