1 तब येसु आपन बारहो चेलासबके बोलाइल्कै आ ओइसबके भुत आत्मासब निकालैके आ सब किसिमके रोगी-बिमारीसबके निक करैके अधिकार देल्कै।
येसु उसबके कहल्कै, “साँचेके हम तोरासबके कहैचियौ, नया सिरिस्टीमे जहिया मानबके पुतर आपन महिमाके सिंहासनमे बैठतै, तहिया तुहुसब बारह सिंहासनमे बैठबही आ इजराएलके बारह कुलके नियाइ करबिही।
जब साँझ परलै येसु आपन बारहो चेलासबसङे खाइले बैठलै।
येसु यि बातसब कहते रहलै, कि तखनिए यहुदा जे ओकर बारह गोरा चेलामेसे एकटा छेलै से एलै। ओकरसङे लाठी आ तलबार लेने लोकसबके एकटा भिर छेलै। ओइसबके मुल पुजारीसब आ अगुवासब पठेने छेलै।
येसु पुरे गालिल परदेसके सभाघरसबमे सिक्छा देबे लाग्लै, स्वरगके राजके सुसमाचार परचार करैत आ लोकसबमे लागल सब परकारके रोग-बिमारके निक करल्कै।
हमरासबके पापमे फसाइबला बातसबसे दुर राखु आ दुस्टसे बचाबु। [कथिलेत राज, पराकरम आ महिमा जुगो-जुग तक अहैके चियै, आमेन।’]
येसु सब सहर-सहर आ गाम-गाम घुमे लाग्लै। उ यहुदीसबके सभाघरसबमे सिक्छा दैत, परमेस्वरके राजके सुसमाचार सुनाइत आ लोकसबके हरेक किसिमके रोग-बिमारसे निक करैत गेलै।
तै खातिर खेतके मालिकके परथना कर, उ आपन बाली काटैले जनसब पठादेतौ।”
हम तोरासबके साँप आ कोकर बिछीसबके उपर खालि लातसे मिसरैके अधिकार देने चियै, सतरुके सब सक्तिके उपर अधिकार देनेचियौ। आब कोनो चिज तोरासबके हानी नै करतौ।
कथिलेत हम तोरासबके एहेन सब्द आ बुधि देबौ, कि तोहर बिरोधीसब तोरासबके बात सुइनके एकोटाके जबाब दैले नै सक्तौ, ओकरौरके मुहमे तला लाइग जेतौ।
हमर पिताके परतिग्या हम तोरौरके लग पठाइबौ। महज परमेस्वरके सक्ती नै पाबैतक अहै सहरमे असियाले रहिये।”
अनगुत भेलाके बाद येसु आपन चेलासबके बोलाइल्कै उसबके बिचसे बारह गोराके छानल्कै, तब ओकरासबके नाम परेरित देल्कै,
कथिलेत अहाँ आपन बेटाके सब लोकसब उपर अधिकार देनेचियै, ताकि अहाँके देल सब लोकसबके अनन्त जिबन देबेसकी।
युहन्ना जबाफ देल्कै, “जाबेतक परमेस्वरसे नै देतै ताबे तक लोकके कुछो नै मिल्तै।
परमेस्वर आपन बेटाके परेम करैछै आ सब चिज ओकरे हाथमे राइखदेनेछै।
येसु ओकरासबके कहल्कै, “कि हम तोरा बारहो गोराके नै छान्ने चियौ से? महज तैयो तोरासबमेसे एक गोराके सैतान चलाइनेछौ।”
महज पबितर आत्मा तोरासबके उपर एतौ तब तुसब सक्ती पाबबिही आ यरुसलेममे, सरा यहुदिया इलाकामे, सामरिया इलाकामे आ पिरथिबीके अन्ततक हमर साक्छी हेब्ही।”
महज एक दिन भुत आत्मा ओकरासबके कहल्कै, “हम येसुके चिन्हैचियै, पावलोके चिन्हैचियै, महज तुसब के चिही?”
तकरबाद अकासमे एकटा अचमके बरका चेन्हा देखा परलै। एकटा जनि देखा परलै, जे सुरुज पिन्हने छेलै, जकर टाङके निचामे चान आ मुरमे बारहटा तराके मुकुट लगेने छेलै।