19 महज ओकर घरबला योसेफ धारमिक लोक भेलाके कारन मरियमके समाजके अगा कोनो बदनामी नै हेबे कैहके ओकरा चुपे-चाप छोरैके बिचार करल्कै।
उसब कहल्कै, “यि समबन्धमे मोसा त एकटा छोरपतरके नालिस लिखके आपन घरबालीके छोरपतर करैले अनुमति देनेरहै।”
कथिलेत युहन्ना एक धरमी आ पबितर लोक चियै थाह पाइबके हेरोद ओकरसे डराइछेलै आ सुरक्छित राखने छेलै। युहन्नाके सिक्छा सुनैबखत उ बहुत घबराल छेलै महज तैयो ओकर बातसब धियान द्याके सुनैछेलै।
यरुसलेममे सिमियोन नामके एकटा लोक छेलै। उ इजराएलके बचाबैबला लोकके आसमे रहै आ उ धरम-करम करैबला लोक रहै, पबितर आत्मा ओकरसङे छेलै।
उसब जबाब देल्कै, “हमरासबके कप्तान करनेलियस पठाइनेछै। उ धरमी आ परमेस्वरके डर मानैबला लोक चियै। ओकरा यहुदियो जातीसब आदर करैछै। एकटा स्वरगदुतसे आदेस मिलल छै जे तोरा आपने घरमे बजाके तोहरसे उपदेस सुन्तौ।”
जब अनगुत भेलै उसब ओइ ठामके चिन्हैले नै सकल्कै, महज ओकरसबके नजर बौलेबौल भेल एकटा ठाममे परलै आ उसब निरनय करल्कै कि यदी सम्भव हेतै त जहादके ओहै ठामदिसन लजाइबै।
हमरा यि बातके पुरा भरोसा भेलाके कारन, तोरासबलग पहिने आबैके इक्छा करलियै ताकि तोरासबके दोबर फैदा हेबे।