1 अबराहम आ दाउदके सन्तान येसु खिरिस्टके बंसाबली ऐनङके छै।
येसु खिरिस्टके जलम एहेन परकारसे भेलै- ओकर माँ के मङनी योसेफसङे भेल छेलै, महज ओइसबके बियाह हैसे पैहनैये पबितर आत्माके सक्तिसे मरियमके देहभारी भेलै।
अबराहमके बेटा इसहाक रहै, इसहाकके बेटा याकुब, याकुबके बेटा यहुदा आ ओकर भाइ-भैयारीसब रहै।
ओहै इलाकाके एकटा कनानी जनी आइबके चिच्याइत कहेलाग्लै, “हे परभु, दाउद राजके बेटा, हमर उपर दया करु। हमर बेटीके भुत एकदम सत्यारहल छै।”
तब येसु बप्तिस्मा ल्याके तुरन्ते पानीसे बाहर निकल्लै, तब स्वरग उघरलै आ उ परमेस्वरके आत्मा पौरकीके रुपमे आपन उपरमे आबैत देखल्कै।
येसु ओतेसे जाइत खिना दुइ गोरा अन्हर लोकसब पछुवाइत जोरसे कहल्कै, “हौ दाउद रजाके बेटा, हमरासबके उपर दया करु।”
उ इजराएलमे सबदिन राज करतै। ओकर राजके अन्त कहियो नै हेतै।”
पबितर धरमसास्तरमे खिरिस्ट रजा दाउदके बंससे आ दाउदेके गाम बेथलेहेमसे एतै कैहके लिखल नै छै से?”
एकटा अगमबक्ता भेलाके कारन उ जानैछेलै कि परमेस्वर ओकरे धियापुतासे ओकरे सिंहासनमे बैठाबैके बचन देने छेलै।
उ सुसमाचार परमेस्वरके बेटा, येसु खिरिस्टके बिसयमे चियै। उ लोक भ्याके रजा दाउदके बंसमे जलम लेल्कै।
अबराहम बेबस्था पालन करलाके कारनसे नै महज परमेस्वरमे करल बिस्बास दुवारा धरमी ठहरलाके चल्ते परमेस्वर ओकरा आ ओकर बेटा-बेटीसबके सन्सारके हकबला बनाबैके परतिग्या करल्कै।
इजराएलीसब नाम चलल पुरखासबके बेटा-बेटीसब चियै, येसु खिरिस्ट सेहो अहै जातीसे जलम लेल्कै। उ त सब जातीसबमे राज करैबला परमेस्वर चियै। ओकर परसन्सा सबदिन हैतरहे! आमेन।
परमेस्वर, अबराहम आ ओकर सन्तानसे करल परतिग्या अहिनङे छेलै। पबितर धरमसास्तरमे द्याल उ परतिग्या “बहुतो सन्तानसबके” लेल नै, महज “एक गोरेके” लेल मातरे छेलै आ उ दोसर कोइने चियै, उ त केबल खिरिस्ट चियै।
कथिलेकी परमेस्वर एकेटा छै। परमेस्वर आ लोकसबके बिचमे मिलाप कराइबला एकेटा लोक छै। उ लोक येसु खिरिस्ट चियै।
मैरके जिबित भ्याल रजा दाउदके बंसके येसु खिरिस्टके याद कर। कथिलेत हमर परचार करल सुसमाचार एह्या चियै।
“हम येसु, तोरासबलग मन्डलीके लेल यि गबाही दैले आपन स्वरगदुतके पठाइने चियौ। हम्ही दाउद रजाके कुल, सन्तान आ अनगुतके चम्कैबला तरा चियौ।”