52 तब उ समाध लजाइबला लोकसबके पहिने पठादेल्कै। उसब ओकर खातिर सब चिजके बन्दोबस्त करैले सामरीसबके गाममे गेलै।
तब येसु आपन बारहो चेलासबके एहेन कैहके पठाइल्कै, “तुसब गैर-यहुदीसबके बिचमे आ सामरीसबके सहरमे नै जो।
तकरबाद परभु येसु औरो सतर गोरे चेलासबके छानल्कै आ ओकरासबके दुइ-दुइगोरे कैरके गामसब आ सहरसबमे अपना जायसे पहिने परचार करैले पठाइल्कै।
एकटा सामरी लोक ओहैठिना रस्तासे एलै। ओइ घायल लोकके देखके दया लाइगगेलै।
येसु यरुसलेम दिसन जाइत खिना सामरिया आ गालिलके सिमाना हैत ज्यारहल छेलै।
आ उ येसुके टाङ पकैरके धन्यबाद देल्कै। उ एकटा सामरी छेलै।
यि ओहे चियै, जकर बारेमे पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, ‘देख, हमर दुतके तोहर अगा-अगा पठाइबौ जे तोहर खातिर रस्ता तयार करतौ।’
ओकरा गालिल परदेस सामरिया परदेस बाटे हैत जाइले परैछेलै।
येसु सामरिया परदेसके सुखार नामके गाममे पुग्लै। उ गाम याकुब आपन बेटा योसेफके देल्हा जमिनके लगेमे छेलै।
तब सामरी जनी कहल्कै, “अहाँ यहुदी भ्याके कनङके हम सामरी जनिसे पानी पियैले माङैचियै?” (कथिलेत यहुदीसब सामरीसबसङे कोनो समबन्ध नै राखैतरहै।)
यि बातसब सुइनके यहुदी अगुवासब येसुके कहल्कै, “तु सामरी चिही आ तोरा भुत लागल छौ। कि हमसब ठिके कहैचियौ नै?”