5 महज जतेका लोकसब तोरासबके मान-दान नै करतौ तब ओइ सहरसे निक्लैतकाल तुसब आपन टाङके गरदा झाइरदैहिये। यि ओकरासबके बिरोधके साक्छी हेतै।”
हमर खातिर रजा आ सासकसबके अगामे तोरासबके ठार करतौ। तुसब ओकरासबके आ गैर-यहुदीसबके अगा हमर बारेमे गबाही देबही।
यदी कोनो ठाममे मान-दान नै हेतौ आ लोकसब तोरौरके बचन सुनैले इन्कार करतौ त ओइ ठामसे निकलैत खिना ओकरासबके बिरोधमे गबाहीके खातिर आपन टाङके गरदा झाइरदैहिये।”
“जे कोइ एहेन यि छोट बच्चाके हमर नाममे सुइकार करतै, उ हमरा सुइकार करतै आ जे कोइ हमरा सुइकार करतै, उ हमरा मातरे नै महज हमरा पठाइबलाके सुइकार करतै।”
“जे तोरासबके बातसब मान्तौ, उ हमरो बातसब मान्तै आ जे तोरासबके इन्कार करतौ, उ हमरो इन्कार करतै आ जे हमरा इन्कार करतै, उ हमरा पठाइबलाके इन्कार करतै।”
तब येसु ओइ लोकके कहल्कै, “यि बात तु ककरो नै कहिहे, महज ज्याके पुजारीके देखा तब मोसाके नियम अनुसार लोकसब निक भेलै परमान देखाइके लेल भेटी चरहा।”
जे घरके लोक तोरासबके मान-दान करतौ, उ ठामसे नै निक्लैतक ओहै घरमे रहिये।
आ चेलासबके कहल्कै, “जे कोइ हमर नामसे अइ बालकके सुइकार करतै, उ हमरा सुइकारतै, जे हमरा सुइकार करतै, उ हमरा पठाइबलाके सुइकार करतै। कथिलेत जे कोइ सबसे छोट छै, ओहे सबसे बरका हेतै।”
महज पावल आ बरनाबास आपन टाङके गरदा ओइसबके बिरोधमे झाइरके आइकोनियन सहर दिसन चैलगेलै।
महज यि बात सुइनके उसब पावलके बिरोध आ अपमान करे लाग्लै, तखुन्ते पावल ओइसबके चेताबनीके खातिर आपन बस्तरसे गरदा झारैत कहल्कै, “यदी तोरासबमेसे कोइ नास हेब्ही त आपने दोसके कारन नास हेब्ही तकर दोसी हम नै हेबौ। आबसे हम दोसरे जातीसबके बिच सुसमाचार सुनाइले जाइचियौ।”