49 तब युहन्ना कहल्कै, “गुरु जी, एकटा लोक अहाँके नामसे भुतसब निकालैत देखलियै। हमसब ओकरासबके कोसिसो करलियै, कथिलेत उ हमरासबसङे अहाँके कहल नै मानल्कै।”
महज युहन्ना एहेन कहैत ओकरा रोकैले चाहल्कै, “कि अहाँ हमरसे लैले एलचियै? बरु हमरे अहाँसे बप्तिस्मा लेनाइ जरुरी छै।”
तब सिमोन येसुके कहल्कै, महज “गुरु जी, हमरासब रातभर जालसब फेकलियै महज एकोटा माछ नै परलै। तैयो अहाँ कहैचियै त हम जाल फेकैचियै।”
तब उ दुइटा लोक येसुके छोइरके ज्याबखत पतरुस ओकरा कहल्कै, “गुरु जी, हमरासबके अतै रहैके लेल असल छै। हमसब तिनटा पाल बनाएब, एकटा अहाँके लेल, एकटा मोसाके लेल आ एकटा एलियाके लेल।” महज ओकरा आपने बोलल्हा बात थाह नै छेलै।
“कि हम तोरासबके यि सिक्छा नै दैले करा आग्या देने नै छेलियौ, महज तुसब आपन सिक्छासे पुरे यरुसलेम भैरदेल्ही आ ओइ लोकके खुनके दोस हमरासबके उपर आनैले चाहैचिही।”
गैर-यहुदीसबके मुक्तीके सन्देस सुनाइबला हमरासबके काममे उसब बाधा पुगेल्कै। एहेन कैरके उसब आपन पापके घरा भैरलेल्कै। आखिरमे परमेस्वरके करोध ओइसबके उपर परलै।