28 करिब आठ दिनके बाद पतरुस, युहन्ना आ याकुबके आपनसङे येसु पहाड़मे परथना करैले गेलै।
लोकसबके बिदाह करलाके बाद उ सुनसान जगहमे परथना करैले पहाड़मे गेलै। जब साँझ परलै तब उ ओते असगरे छेलै।
लोकसबके बहौत बरका भिर देखके येसु पहार उपरमे गेलै आ ओते बैठलै, तकरबाद चेलासब ओकरलग एलै।
भिन्सरे येसु उइठके सुनसान जगहमे ज्याके परथना करल्कै।
भिरके बिदा कैरदेलाकेबाद येसु परथना करैले पहारमे गेलै।
जब सब लोकसब बप्तिस्मा लैछेलै तखुन्ते येसु ओहो बप्तिस्मा लेल्कै। परथना करैबखत स्वरग उघरलै,
महज येसु भिरसे अलग भ्याके परथना करैले सुनसान जगहमे जाइ छेलै।
एक दिन येसु पहार दिसन परथना करैले गेलै आ परमेस्वरसङे परथनामे रातभर बिताइल्कै।
जब येसु याइरसके घरमे पुग्लै तब पतरुस, याकुब, युहन्ना आ धियापुताके माँ बाबुके सिबाय ककरो नै भितर ढुकैले देल्कै।
एक दिन येसु असगरे परथना करैबखत चेलासब ओकरलग छेलै आ उ ओकरासबके कहल्कै, “लोकसब हमरा के चियै कहैछै?”
तब येसु पहाड़मे ज्याके आपन चेलासबसङे ओतै बैठलै।
हम तेसर बेर तोरासबलग आइबरहल चियौ। पबितर धरमसास्तर अनुसार, “दुइ वा तिन साक्छीसबके कहल बातसे मातरे कोनो बात सत कैहके साबित हैछै।”
येसु अइ सन्सारमे रहैतकाल मिरतुसे बचाबेबला परमेस्वरसङे जोरसे कानैत बिन्ती आ परथना करल्कै। ओकर नमरता आ भक्तीके कारन ओकर परथना परमेस्वर सुनल्कै।
जब अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके सक्ती आ आगमनके बारेमे तोरासबके कहलियौ, से हमसब चलाकिसे तोरासबके कोनो बनोतरी बात-कथामे नै कहलियौ महज ओकर बरका महिमा हमसब आपने आँखसे देखने छेलियै।