23 तब येसु सब लोकसबके कहल्कै, “कोइ हमर पछा आबैले चाहैछै त उ आपन मनके मारौक आ सबदिन आपन कुरूस बोइकके हमर पछा लागे।
यदि तुसब पाप स्वभाबके इक्छा अनुसार चलबिही त, तुसब मरबिही। महज पबितर आत्माके सक्तीसे पाप स्वभाबके नास करबिही त, तुसब अनन्त जिबन पाबबिही।
सन्सारमे तुसब आपन देहके इक्छाके मार, जनङ: बेबिचार, अधलाह बात, दुस्ट काम, असुध बिचार आ लोभ जे मुरतिपुजा चियै।
येसु खिरिस्टमे भक्तीके जिबन बिताइले चाहैबलासबके सताबटके सामना करैए परतै।
यि अनुगरहसे अपनासबके परमेस्वरके आदर नै हैबला काम आ सन्सारके लोभ-लालच त्यागैले लगाइछै आ धिरजसे अपने आपके बसमे राखैले, निरदोस हैले आ परमेस्वरके आदर हैबला जिबन जियैले सिखाइछै।
ओहैलेल अपनोसब सहरसे बाहर येसु लग चल आ ओकरे जखा अपनोसब अपमान सह।