20 महज येसु ओकरासबके कहल्कै, “तुसब कथी कहैचिही त? हम के चियै?” तब पतरुस जबाफदैत कहल्कै, “अहाँ त परमेस्वरके पठेल्हा मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै!”
“खिरिस्टके बारेमे तोरासबके कथी बिचार छौ? उ ककर बेटा चियै?” उसब जबाफ देल्कै, “दाउदके।”
महज येसु चुपचाप रहलै। तब फेनो परधान पुजारी सबाल करल्कै, “तु जिबित परमेस्वरके किरिया ख्याके कह, कि तु परमेस्वरके बेटा खिरिस्ट चिही त?”
आ तुसब आपन भाइ-बहिनसबके मातरे गोरलगी करैचिही त औरोसबसे बेसी कथी करलिही? कि गैर-यहुदीके लोकसब अहिनङ नै करैछै?
येसु चुपचापे रहलै आ कोनो सबालके जबाफ नै देल्कै। तब फेनो परधान पुजारी सबाल करल्कै, “तब कि तु परमेस्वरके बेटा खिरिस्ट चिही त?”
तब येसु उसबके पुछल्कै, “महज तुसब हमरा के चियै कहैचिही त?” पतरुस जबाफ देल्कै, “अहाँ त खिरिस्ट चियै।”
आ कहल्कै, “तु मुक्ती दैबला खिरिस्ट चिही त, से बात हमरासबके कह।” तब येसु ओइसबके कहल्कै, “हम कहबौ त तोरौरके बिस्बास नै करबिही।
उसब जबाफ देल्कै, “कोइ बप्तिस्मा दैबला युहन्ना कहैछै, कोइ एलिया आ कोइ पहिन्का कोनो अगमबक्तासब मेसे एक गोरे जिके उठल छै कहैछै।”
अन्दिरियास सबसे पहिने आपन भैया सिमोन पतरुसके भेटके कहल्कै, “हमसब मसिहके भेटलियै।” (हिबरु भसामे खिरिस्टके मसिह कहैछै।)
नथानेल जबाब देल्कै, “गुरु जी, अहाँ परमेस्वरके बेटा चियै! अहाँ त इजराएलके रजा चियै।”
तब मारथा येसुके कहल्कै, “हँ परभु, अहाँ त सन्सारमे आबैबला खिरिस्ट, परमेस्वरके बेटा चियै कैहके हम बिस्बास करैचियै।”
येसु परमेस्वरके बेटा, मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै कैहके बिस्बास कर आ बिस्बासके कारन ओकर नाममे तुसब जिबन पाबबिही कैहके यि सब बात अइ किताबमे लिखलगेल छै।
“आबैजो, अते आइबके एकटा लोकके देख! हमर करल सबकाम उ हमरा कैहदेल्कै। कि ओह्या मुक्ती दैबला रजा खिरिस्ट त नै चियै?”
उसब ओइ जनिके कहल्कै, “अखुन तोरे बात सुइनके मातरे नै, महज हमरासब आपने ओकर उपदेस सुइनके बिस्बास करैचियै। बास्तममे ओह्या सन्सारके मुक्तीदाता चियै से हमसब जानैचियै।”
कुछ लोकसब कहै, “यि त मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै।” महज कोइ-कोइ कहै जे, “कि खिरिस्ट गालिलसे एतै?
उ धरम सास्तरसे परमान द्याके ओइसबके अनङके अरथ खोइलके बुझहेल्कै, “मुक्ती दैबला परभु येसु खिरिस्टके दुख भोइगके मरे परतियै आ मरके जि उठे परतियै, तब अकरे सुसमाचार हम तोरौरके सुनाइचियौ, जे मुक्तीदैबला खिरिस्ट चियै।”
उसब रस्तामे जाइते-जाइते पानी भेल ठाममे पुग्लै। उ मुन्सी कहल्कै, “देखु, अते पानी छै, आब हमरा बप्तिस्मा लैले कोन चिज रोके सक्तै?”
महज साउलके परचार सक्तिसाली हैतगेलै आ येसुवे खिरिस्ट चियै से परमान द्याके दमस्कसमे रहैबला यहुदीसबके मुह बन्द कैरदेल्कै।
जे कोइ येसुवे खिरिस्ट चियै कैहके बिस्बास करैछै, उ सबलोक परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै। जे कोइ पिताके परेम करैछै से कोइ ओकर बेटाके सेहो परेम करैछै।