2 येसु ओकरासबके परमेस्वरके राजके बारेमे परचार करैले आ बिमारसबके निक करैले पठाइल्कै।
तब येसु आपन बारहो चेलासबके एहेन कैहके पठाइल्कै, “तुसब गैर-यहुदीसबके बिचमे आ सामरीसबके सहरमे नै जो।
जे लोक परमेस्वरके राजके बचन सुइनके नै बुझैछै, उ लोक रस्ताकातमे परल बिचहन जखा चियै। तब सैतान आइबके ओकर हिरदयमे भेल्हा बचन छिनके ल्याजाइछै।
परमेस्वरके राजके यि सुसमाचार परचार सन्सार भैर करलजेतै, ताकि सब जातीके लोकसब सुनैके मौका पाबे, तकरबादे यि सन्सारके अन्त हेतै।
“आपन पापके खातिर पस्चाताप कर, कथिलेत स्वरगके राज लग आइब गेल्छौ।
तब येसु उसबके कहल्कै, “जो आ सरा सन्सारमे ज्याके सरा सिरिस्टीके सब लोकसबके सुसमाचार परचार कर!
तब उसब निकैलके गेलै आ लोकसबके “पस्चाताव कर आ हिरदय बदल” कैहके परचार करे लाग्लै।
तकरबाद परभु येसु औरो सतर गोरे चेलासबके छानल्कै आ ओकरासबके दुइ-दुइगोरे कैरके गामसब आ सहरसबमे अपना जायसे पहिने परचार करैले पठाइल्कै।
‘हमरासबके गोरमे लागल यि सहरके गरदासहित तोरासबके बिरुधमे झारैचियौ आ तुसब यि जान कि परमेस्वरके राज लग आइबगेलछौ!’
ओइ ठामके रोगी बिमारीसबके निक कर आ ओकरासबके कही ‘परमेस्वरके राज तोरासबके नजदिक आइबगेल छौ।’
“बप्तिस्मा दैबला युहन्नाके बखत तक मोसाके बेबस्था आ अगमबक्तासबके बातसबके परचार करल्कै। तहै बखतसे परमेस्वरके राजके सुसमाचार परचार भ्यारहलछै, तब सबलोक परमेस्वरके राज भितर बलपुरबक परबेस करैछै।
महज यि बात सुइनके बहुत लोकसब ओकर पछा लाग्लै। उ ओकरासबके स्वागत करल्कै आ परमेस्वरके राजके बारेमे सुनाइल्कै, तब जकरा-जकरा बिमारसे निक हैके आवस्यकता रहै ओकरासबके निक करल्कै।