28 येसुके देखके उ चिच्याके ओकर अगा ठेङहुनिया दैत कहल्कै, “हे सबसे बरका परमेस्वरके बेटा येसु, अहाँ हमरसे कथी चाहैचियै? हम अहाँके गोर लागैची, हमरा नै सताबु।”
उसब चिच्याके कहल्कै, “हे परमेस्वरके बेटा, हमरासबसे अहाँके कोन काम? कि समयसे पहिने अहाँ हमरासबके सताबैले एलचियै?”
जब येसु नाहसे कातमे उतरलै तब सहरसे एल एकटा लोकके भेटलै, ओकरा भुत लागल छेलै। उ लोक बहुत दिन पहिनेसे बस्तर नै लगाइछेलै आ घरमे नै रैहके मरघटामे रहैछेलै।
कथिलेत येसु भुत आत्माके ओइ लोकसे निक्लैके आग्या देने छेलै। ओकरा बहुत बेर भुत लागल छेलै। लोकसब बहुत बेर ओकर टाङ-हाथ घुरीसे खुट्टामे बान्हैछेलै महज ओइ घुरीके तोइर दैछेलै। तब भुत आत्मा ओकरा उजार जगह दिसरा ल्याजैछेलै।
परमेस्वर एकेटा छै कैहके तु बिस्बास करैचिही। बहौत निक! महज एहेन बिस्बास त भुतोसब करैछै आ डरसे थरथर कापैछै।
परमेस्वर त पाप करैबला स्वरगदुतोसबके बाकी नै राखल्कै, महज उसबके नरकके खाइधमे फेक देल्कै। ओइसबके नियाइके दिनतक पतालके अन्धकारमे बाइन्हके राखनेछै।
फेनो-फेनो पाप करैबलासब सैतानके लोक चियै। कथिलेत सैतान सुरुवेसे पाप करैत एलछै। अहै खातिर सैतानके काम नास करैले परमेस्वरके बेटा परगट भेलछै।
तब जाती-जातीके लोकसबके बहकाबैबला दुस्टके रजा सैतानके आइग आ गन्धकके खाइदमे फेकदेल्कै, जते जानबर आ झुठा अगमबक्तासबके फेकने छेलै। ओते उसब दिन-रात सबदिन दुख-कस्ट भोगैतरहतै।