27 जब येसु नाहसे कातमे उतरलै तब सहरसे एल एकटा लोकके भेटलै, ओकरा भुत लागल छेलै। उ लोक बहुत दिन पहिनेसे बस्तर नै लगाइछेलै आ घरमे नै रैहके मरघटामे रहैछेलै।
अहिनङे ओकर कामके चरचा पुरे सिरिया परदेसमे फैलगेलै। हरेक परकारके रोग-बिमारसे सत्याल, भुत लागल, मिरगी लागल आ लकबा मारल लोकसबके येसु लग आनल्कै आ येसु ओइसबके निक करल्कै।
तब उसब येसु लग एलै आ उसब बहुत भुत लागल लोकके मन निक भ्याके असल असल बस्तर लग्याके बैठल देखल्कै। यि देखके ओइसबके डर भ्यागेलै।
तब उसब गेरासिनीके राजमे पुग्लै, जे गालिलके ओइकातमे परैछै।
येसुके देखके उ चिच्याके ओकर अगा ठेङहुनिया दैत कहल्कै, “हे सबसे बरका परमेस्वरके बेटा येसु, अहाँ हमरसे कथी चाहैचियै? हम अहाँके गोर लागैची, हमरा नै सताबु।”