तब येसु ओकरा खिस्याके कहल्कै, “चुप हो बेसी नै बाज आ ओइ लोकसे बाहर निकैलजो!” ओइ लोकके ओहै ठाम सब लोकसबके अगामे उठासुठाके पटैकके भुत कथियो नै कैरके बाहर निकैल गेलै।
येसु ओकरासबके कहल्कै, “तोरासबके बिस्बास कते गेलौ?” तब चेलासब डेरागेलै आ छक परलै तब आपनेमे कहेलाग्लै, “यि के चियै! यि अन्हर-बिहार आ झोहके आग्या करैछै त माइन जाइछै।”