22 एक दिन येसु आपन चेलासबसङे नाहमे चहरलै आ येसु ओकरासबके कहल्कै, “नाह झिलके ओइपार ल्याचल।” तब उसब नाहमे चहैरके गेलै।
तकरबाद येसु आपन चेलासबके तुरन्त नाहमे चहैरके अपना जाइसे पहिने तालके दोसर कात चैलजाइले आग्या करल्कै आ उ अपना ओतै रैहके लोकसबके भिरके बिदाह करे लाग्लै।
जब येसु आपन चारुदिसन लोकसबके बरका भिर देखल्कै तब आपन चेलासबके कहल्कै, “अपनासब ताल ओइपार चल।”
जब येसु फेनो समुन्दरके दोसरकात गेलै, तब लोकसबके एकटा बरका भिर जमा भेलै। तै बखत येसु समुन्दरके कातमे ठार रहै।
तब येसु तुरन्ते आपन चेलासबके नाहमे चहैरके ओइपार बेथसेदामे अपना जाइसे पहिने जाइले लगाइल्कै। महज उ लोकसबके भिरके बिदा करैले ओतै रैहगेलै।
तब ओकरासबके छोइरके उ फेनो नाहमे चहैरके ओइपार गेलै।
एक दिन लोकसब परमेस्वरके बचन सुनैले येसुके चारुदिसन भिर लागल छेलै। उ गनेसरेत दहके बान्हमे ठार भेलरहै।
उसब जाइत बखत येसु नाहमे सुइत गेलै। अचानक झिलमे बरका अन्हर-बिहार एलै आ झोह नाहमे परलै। नाह पानीसे भरलै आ डुबेलाग्लै तब उसब बरका आफतमे परलै।
तब ओइ लोकसे भुतसब निकैलके सुगरके जेरमे ढुक्लै। जेर पहाड़के भितामे दौरते-दौरते ज्याके उपरसे गैहर झिलमे गिरके, डुइबके मर गेलै।
तकरबाद येसु गालिल तालके ओइपार गेलै। ओकरा तिबेरियस ताल सेहो कहैछेलै।
हमसब एन्डरामिटेनोससे एसिया परदेसके समुन्दर काते-काते परैबला सहरसब हैत जाइबला जहादमे चहैरके यातरा सुरु करलियै। अरिस्तारखस नाम भेल्हा थेसलोनिके इलाकाके एक गोरे माकेडोनि हमरासबकेसङे सेहो छेलै।