1 तकरबाद येसु परमेस्वरके राजके सुसमाचार सुनाइले सहर-सहर आ गाम-गाममे गेलै। ओकरसङे बारह गोरे चेलासब छेलै।
येसु आपन बारहो चेलासबके यि बातके आदेस देलाके बाद ओतेसे चैलगेलै। तब उ गालिल परदेसके सहरसबमे सिक्छा देबे लाग्लै आ सुसमाचार परचार करे लाग्लै।
जे लोक परमेस्वरके राजके बचन सुइनके नै बुझैछै, उ लोक रस्ताकातमे परल बिचहन जखा चियै। तब सैतान आइबके ओकर हिरदयमे भेल्हा बचन छिनके ल्याजाइछै।
येसु पुरे गालिल परदेसके सभाघरसबमे सिक्छा देबे लाग्लै, स्वरगके राजके सुसमाचार परचार करैत आ लोकसबमे लागल सब परकारके रोग-बिमारके निक करल्कै।
येसु सब सहर-सहर आ गाम-गाम घुमे लाग्लै। उ यहुदीसबके सभाघरसबमे सिक्छा दैत, परमेस्वरके राजके सुसमाचार सुनाइत आ लोकसबके हरेक किसिमके रोग-बिमारसे निक करैत गेलै।
तब येसु पुरे गालिल इलाकामे घुम्लै आ सभाघरसबमे सिक्छा दैत आ लोकसबसे भुतसब निकालैत गेलै।
तब बालक युहन्ना देहमे आ आत्मिक रुपमे बरहैत बौकार हैतगेलै आ इजराएलीसबके बिचमे देखा परैसे पहिने उ उजारे जगहमे रहैछेलै।
एक दिन मन्दिरमे येसु लोकसबके सिक्छा दैत सुसमाचार सुनाइतरहै, तहै बखत मुल पुजारीसब, धरमगुरुसब आ अगुवासब ओकरलग एलै,
“परमपरभुके आत्मा हमर उपरछै, गरिबसबके सुसमाचार सुनाइले उ हमरा अभिसेक कैरके पठाइने छै। बन्धनमे परलसबके छुटकाराके लेल, अन्हरासबके आँख देखैके लेल, अत्याचारमे परलाहासबके सोतन्तर करैके लेल,
तब उसब बिदा भेलै आ सब गाम-गाममे ज्याके सुसमाचार परचार करल्कै आ बिमारसबके निक करल्कै।
कनङ परमेस्वर नासरतके येसुके पबितर आत्मा आ सक्ती बिसेस रुपमे ओकरा देल्कै। उ कनङ भलाइके काम करैत गेलै, दियाबलसके सताबटमे परलहासबके निक करैत गेलै, कथिलेकी परमेस्वर ओकरसङे छेलै।
हमसब यि सुसमाचार सुनाइले एलचियौ, जे बात परमेस्वर अपनासबके पुरखासबके परतिग्या करने रहौ।
सुनाइबला लोकके नै पठाइतै उ कनङके परचार करतै? जनङ पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै कि, “सुसमाचार परचार करैबलाके टाङ कतहेक सुन्दर!”