47 अइ खातिर हम तोरा कहैचियौ, अकर बहौतरा पापसब माफ भ्यागेल्छै। तहैसे यि हमरा बेसी परेम देखेल्कै। महज जकरा कम माफ हैछै उ कमे परेम करैछै।”
जे कोइ हमरा परेम करैसे बेसी आपन माँ-बाबुके परेम करतै, उ हमर चेला बने नै सक्तै। तहिनङे जे कोइ हमरा परेम करैसे बेसी आपन धियापुताके परेम करतै सेहो हमर चेला बनैले नै सक्तै।
येसुके नौता दैबला फरिसी यि देखके मनेमन कहेलाग्लै, “अगर येसु साच्चेके अगमबक्ता चियै त छुबैबाली जनिजाइत केहन पापी चियै से जाइनजेतियै।”
तु हमर केसमे तेल नै लगाइलिही महज यि त हमर टाङमे अतरके तेल लग्या देल्कै।
तब येसु ओइ जनिके कहल्कै, “तोहर पाप माफ भ्यागेल्छौ।”
इजराएलके लोकसबके पस्चातापके खातिर आ ओइसबके पापसे छमा दैके खातिर परमेस्वर येसुके परभु आ मुक्तीदाता बनाके आपन देहना कात बैठेल्कै।
लोकसब अपना कतहेक पाप करनेचियै से जानैके लेल परमेस्वर ओकरासबके बेबस्था देल्कै। लोकसबके पाप जतहेक बरहैत गेलै परमेस्वरके अनुगरह ओतहेक बेसिसे बरहैत गेलै।
हमसब त खिरिस्टके परेमके बसमे चियै, कथिलेकी हमसब निसचिन्त चियै कि सबलोकके लेल खिरिस्ट मरलाके कारन सबके मिरतु भेलै।
खिरिस्ट येसुमे नै त खतनाके नै त बेखतना कोनो मोल छै। महज एकेटा बातके मोल छै, उ यि चियै, अपनासब बिस्बासके कारन एक-दोसरके परेम करैचियै।
परभु येसु खिरिस्टके परेम करैबला सङे परमेस्वरके अनुगरह सबदिन रहे।
हमर परथना एह्या चियै, कि तुसब परेम आ ठिक-बेठिक छुटयाबैबला बुइधमे झन-झन परसस्त कैरके बैढते जाय,
आब देख, अपनासबके परभु येसुके अनुगरह हमर उपर कतहेक बहौत छै कि उ आपन बिस्बाससे आ परेमसे हमरा भरल्कै।
महज परमेस्वर जहिनङ इजोतमे रहैछै तहिनङ हमसब इजोतमे चलैचियै त अपनासबके संगती एक दोसरसङे हैछै आ ओकर बेटा येसुके लहुसे अपनासबके सब पापसे सुध करैछै।
हे हमर धियापुतासब, अपनासब खाली मुह आ बातसे मातरे परेम नै कर, महज अपनासब काम आ सत्यतासे परेम करैजो।
हमसब एक-दोसरके परेम करैचियै कथिलेकी परमेस्वर हमरासबके पहनिये परेम करल्कै।
परमेस्वरसे परेम करनाइके मतलब ओकर आग्यासबके पालन करनाइ चियै। ओकर आग्यासब हमरासबके लेल भैरगर नै छै।