31 येसु कहल्कै, “अइ पुस्ताके लोकसबके हम कथिसे नाप्बै? उसब केहन छै?
“तै खातिर जे हमर बचन सुनैछै आ पालन करैछै, उ एकटा बुधिमान लोक जखा हैछै जे आपन घर चटानमे बनेल्कै।
तब फेनो येसु कहल्कै, “परमेस्वरके राजके कोन चिजसे मिलाइबै? कोन खिसासे अकर बरनन करल जाय?
महज फरिसीसब आ धरमगुरुसब युहन्नासे बप्तिस्मा नै लैके कारन उसब परमेस्वरके योजनाके इन्कार करल्कै।
उसब बजारमे बैठल धियापुता जखाछै, जे एक दोसरके कहैछै, ‘हमसब तोरासबके खातिर बौसली बजेलियौ तैयो तुसब नै नाचलिही, हमसब सोक मनेलियौ महज तुसब नै कानली।’