28 “हम तोरासबके कहैचियौ, अखुनतक कोइ नै जलमलछै जे युहन्नासे बरका छै। तैयो जे परमेस्वरके राजमे सबसे छोट छै, उ युहन्नासे बहुत बरका छै।”
“हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, बप्तिस्मा दैबला युहन्नासे बरका कोइ नै कहियो जलम लेनेछै, तैयो स्वरगके राजमे जे सबसे छोट छै, से कोइ युहन्नासे बरका छै।
ओहै बखत बप्तिस्मा दैबला युहन्ना यहुदियाके उजार जगहमे एलै आ एहेन कहैत परचार करे लाग्लै,
तब युहन्ना ओकरासबके जबाब देल्कै, “हम त तोरासबके पानीसे बप्तिस्मा दैचियौ, महज एक गोरा जे आइबरहल्छौ उ हमरोसे बरका छै, जकर हम जुताके फितो तक खोलैके जोकरके नै चियौ। उ तोरासबके पबितर आत्मा आ आइगसे बप्तिस्मा देतौ।
यि ओहे चियै, जकर बारेमे पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, ‘देख, हमर दुतके तोहर अगा-अगा पठाइबौ जे तोहर खातिर रस्ता तयार करतौ।’
तब सब लोकसब आ करो उठाइबलासब यि बातसब सुइनके परमेस्वरके सुइकार करल्कै, कथिलेत उसब युहन्नासे बप्तिस्मा लेने छेलै।
आ चेलासबके कहल्कै, “जे कोइ हमर नामसे अइ बालकके सुइकार करतै, उ हमरा सुइकारतै, जे हमरा सुइकार करतै, उ हमरा पठाइबलाके सुइकार करतै। कथिलेत जे कोइ सबसे छोट छै, ओहे सबसे बरका हेतै।”