14 लगमे ज्याके लहासबला खटिया छुबल्कै, तब बोकैबलासब ठार भ्यागेलै। येसु कहल्कै, “ए जबान, हम तोरा कहैचियौ, उठ!”
तब ओइ छौरीके हाथ पकैरके कहल्कै, “तालिता कुमी” जकर अरथ चियै, “ए छौरी, हम तोरा कहैचियौ, उठ।”
जब परभु येसु ओइ बिधुवाके देखल्कै तब ओकर हिरदय दयासे भैरगेलै आ कहल्कै, “नै कान!”
मरलहा जबान लोक उठके बैठलै आ बोले लाग्लै। येसु ओकर माँके जिमा लग्या देल्कै।
यि घटनाके खबर सारा यहुदिया आ आसपासके इलाकामे फैलगेलै।
तब येसु ओकरा कहल्कै, “पुनरुथान आ जिबन हम्ही चियै। जे हमरा बिस्बास करतै, उ मरबो करतै त जिबित हेतै।
कथिलेत जहिनङ पिता मरलाहासबके जियाबैछै आ ओकरासबके जिबन दैछै, तहिनङ बेटो जकरा मन करैछै तकरा जिबन दैछै।
हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, उ समय आइबरहल छौ आ आइबगेल छौ, जब मरलहा लोकसब परमेस्वरके बेटाके अबाज सुन्तै आ जे कोइ ओकर अबाज सुन्तै सेसब बाच्तै।
पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखलछै “हम तोरा सन्सारके सब जातीके पुरखा बनाइने चियौ।” मरलसबके जिबन दैबला आ असतित्वमे नै भेल चिजके असतित्वमे लाबैबला परमेस्वरमे अबराहम बिस्बास करल्कै।
कथिलेत यि लोकसब घोसैरके करल कामसबके बारेमे कहैयोले सरमके बात चियै।