13 अनगुत भेलाके बाद येसु आपन चेलासबके बोलाइल्कै उसबके बिचसे बारह गोराके छानल्कै, तब ओकरासबके नाम परेरित देल्कै,
उ बारहो परेरितसब एह्या चियै- पहिन्का सिमोन, जकर नाम पतरुसो चियै आ ओकर भाइ अन्दरियास, जब्दियाके बेटा याकुब आ ओकर भाइ युहन्ना,
येसु उसबके कहल्कै, “साँचेके हम तोरासबके कहैचियौ, नया सिरिस्टीमे जहिया मानबके पुतर आपन महिमाके सिंहासनमे बैठतै, तहिया तुहुसब बारह सिंहासनमे बैठबही आ इजराएलके बारह कुलके नियाइ करबिही।
लोकसबके भिर देखके ओकर हिरदय दयासे भैर गेलै। कथिलेकी चरबाहा बिनाके भेंरासब जखा निरास आ लाचार छेलै।
तब परेरितसब येसु लग घुइमके एलै। उसब जे-जे करने रहै आ सिखेल्हा बातसब येसुके सुनाइल्कै।
येसु आपन बारहो चेलासबके आपनलग बोलाइल्कै आ ओइसबके भुत आत्मासब निकालैके सक्ती आ अधिकारो दके दुइ-दुइ गोरा कैरके परचार करैले पठेल्कै।
अहै खातिर सबकुछ जानैबला परमेस्वर कहल्कै, ‘हम तोरासबके लगमे अगमबक्ता आ परेरितसबके पठाइबौ। महज ओइमेसे ककरो मारबिही त ककरो सताइबिही।’
तब तुसब हमर राजमे हमरे सङे-सङे खेबही, पिब्ही आ इजराएलके बारहो कुलके नियाइ करैले राज गद्दीमे बैठबिही।”
सिमोन (जकरा येसु पतरुस नाम देने छेलै) आ अन्दरियास (सिमोनके भाइ), याकुब, युहन्ना, फिलिप, बारथोलोमाइ,
तैल्याके चेलासब आपसमे बात करे लाग्लै, “हमसब बाहर ग्याल बखत कोइ अकर लेल कोनो खाइबला चिज आइनदेल्कै कि कनङ?”
सहर भितर ढुक्लाके बाद उसब उपरका महलाके कोठलीमे गेलै, जते उसब रहैछेलै। उसब पतरुस, युहन्ना, याकुब, अन्दरियास, फिलिप आ थोमा, बारथोलोमाइ आ मती, अल्फयासके बेटा याकुब आ देसभक्त दलके सिमोन आ याकुबके बेटा यहुदा छेलै।
परेरित आ अगमबक्तासबके खुनल जगमे बनल घर तुसब चिही। यि जगके मुल खम्हा येसु खिरिस्ट आपने चियै।
वह्या ककरो आपन परेरितसब, ककरो अगमबक्तासब, ककरो परचारकसब, ककरो मन्डलीके देख-भाल करैबला पास्टरसब आ ककरो सिक्छकसब नियुक्त करल्कै।
ओहैसे परमेस्वरके बोलाबट पाबलहा पबितर जनसब, तुसब आपन धियान येसुमे लगा, जकरा अपनासब परेरित आ परधान पुजारी कैहके सुइकार करैचियै।
पहिनेके पबितर अगमबक्तासबके बोलल अगमबानी आ तोरासबके परेरितसबसे अपनासबके परभु आ मुक्ती दैबला परभुके देल आग्या तोरासबके सम्झैले परतौ।
तकरबाद अकासमे एकटा अचमके बरका चेन्हा देखा परलै। एकटा जनि देखा परलै, जे सुरुज पिन्हने छेलै, जकर टाङके निचामे चान आ मुरमे बारहटा तराके मुकुट लगेने छेलै।
हे स्वरगमे भेल्हासब, उ सहर नास भेलासे खुस हो। हे परमेस्वरके पबितर जनसब, परेरितसब आ अगमबक्तासब सबकोइ आनन्द मना! कथिलेत तोरासबके सताबैके कारन परमेस्वर ओकर नियाय करने छै।
ओइ सहरके देबालके बारहटा जग छेलै आ ओइमे थुमाके बारह परेरितसबके नाम लिखल छेलै।