13 येसु ओकर उपरमे हाथ राइखके कहल्कै, “हम चाहैचियौ। तु निक भ्याजो।” तखुन्ते कोढि-कुस्टी लागल लोक निक भेलै।
तब येसु आपन हाथ अगा बरहाके छुबल्कै आ कहल्कै, “हम चाहैचियौ, तु सुध भ्याजो।” उ तखुन्ते कोढि-कुस्टीसे सुध भेलै।
तब ओकरलग ठार भ्याके येसु कहल्कै, “जर बोखार अकरा छोर!” तब उ निक भ्यागेलै आ तखुन्ते उठके ओकरासबके स्वागत सत्कार करल्कै।
एक दिन येसु एकटा सहरमे रहै तै बखत एकटा कोढि-कुस्टीसे भरल लोक येसुके देखके भितरी मनसे बिन्ती करल्कै आ कहल्कै, “हे परभु, अहाँ चाहबै त हमरा कोढि-कुस्टीसे निक कैरसकैचियै।”
तब येसु ओइ लोकके कहल्कै, “यि बात तु ककरो नै कहिहे, महज ज्याके पुजारीके देखा तब मोसाके नियम अनुसार लोकसब निक भेलै परमान देखाइके लेल भेटी चरहा।”