11 जब उसब नाहसबके कातमे आनल्कै तब सबचिज छोइरके येसुके पछा लाग्लै।
जे कोइ हमरा परेम करैसे बेसी आपन माँ-बाबुके परेम करतै, उ हमर चेला बने नै सक्तै। तहिनङे जे कोइ हमरा परेम करैसे बेसी आपन धियापुताके परेम करतै सेहो हमर चेला बनैले नै सक्तै।
तब पतरुस कहल्कै, “देखु, हमसब त आपन सबकुछ छोइरके अहाँके पछा लागलेचियै। हमरासबके कथी मिल्तै?”
जे कोइ हमर खातिर आपन घरदुवार, भाइ-बहिन, माँ-बाबु, बेटा-बेटी आ जगहा-जमिन छोरैछै, उ सय गुना पाबतै आ अनन्त जिबनके हकदार हेतै।
यि बात सुनैत मातर उसब आपन आपन जाल छोइरके येसुके पछा लाग्लै।
तब तखने उसब आपन बाबुके छोइरके येसुके पछा गेलै।
तब येसु ओकर दिसन ताइकके परेमसे कहल्कै, “तोहरमे एकटा औरो चिजके कमि छौ। तोहरसङे भेल्हा सब धन-सम्पती बेचके गरिबसबके बाइट दहै, तब स्वरगमे तोरा बहुत धन भेटतौ आ हमर पछा लाग।”
लेबी उठलै आ सबचिज छोइरके येसुके पछा लाग्लै।