40 रौद डुब्लाके बाद बहुत किसिमके रोगीसबके येसु लग आनल्कै। येसु ओकरासबके उपरमे हाथ राखल्कै आ सब रोगीसबके निक करल्कै।
अन्हरासब देखैछै, नेङरासब चलैछै, कोढि-कुस्टी लागलसब सुध हैछै, बैहरासब सुनैछै, मरलसब जिजाइछै आ दुखी गरिबसबके सुसमाचार सुनाइछै।
जब येसु यि बात सुनल्कै तब एकटा नाहमे चहैरके चुप-चाप सुन-सान ठाममे चैलगेलै। महज येसु जाइले लागल छै सुइनके बहुतो लोकसब सहर-सहरसे पैदले चैलके ओकर पछा गेलै।
उ बहुतोके निक करलाके कारन बिमार भेल सबलोक छुबी कैहके ठेलम-ठेल करै।
आ एहेन कैहके बिन्ती करल्कै, “हमर छोटकी बेटी मरे लागल छै, आइबके ओकर उपरमे आपन हाथ राखदिय जैसे उ निक हेबे आ जि जाय।”
तहैले येसु ओते कोनो-कोनो बिमारसब उपर आपन हाथ राइखके ओइसबके निक करै बाहेक ओकरासबके अबिस्बासके कारन कोनो सक्तिसाली काम करे नै सकल्कै।
हैते-हैते लोकसब रुमाल या गम्छा ओकर देहमे छुब्याँके बिमारीसब लग लजाइछेलै आ उ बिमारीसब निक हैछेलै आ भुतो आत्मासब निकैलके जाइछेलै।
परेरितसबके अच्चमके काम देखके लोकसब बिमारसबके रस्तामे पटिया आ खटियामे राखल्कै आ पतरुस ओतेसे आबैतखिना ओकर छाह रोगी-बिमारीसब उपर परे आ ठिक हेबे कैहके सुताके राखने रहैत रहै।