39 तब ओकरलग ठार भ्याके येसु कहल्कै, “जर बोखार अकरा छोर!” तब उ निक भ्यागेलै आ तखुन्ते उठके ओकरासबके स्वागत सत्कार करल्कै।
तुरन्ते उसब यहुदी सभाघरसे निकैलके सिमोन आ अन्दरियासके घरमे गेलै। उसबसङे याकुब आ युहन्नो गेलै।
तब येसु ओकरा खिस्याके कहल्कै, “चुप हो बेसी नै बाज आ ओइ लोकसे बाहर निकैलजो!” ओइ लोकके ओहै ठाम सब लोकसबके अगामे उठासुठाके पटैकके भुत कथियो नै कैरके बाहर निकैल गेलै।
बहुत लोकसबके देहसे भुतसब चिच्याइते ऐहेन कैहके निकल्लै, “अहाँ परमेस्वरके बेटा चियै!” महज येसु खिस्याके भुतसबके बोले नै देल्कै कथिलेत मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै कैहके चिन्हैछेलै।
तब उसब येसुके लगमे आइबके उठाइत कहल्कै, “गुरु जी, गुरु जी, हमसब डुबे लागलियै।” येसु उठके अन्हर-बिहार आ छालके रोकल्कै आ उ रुक्लै आ सब सान्त भेलै।