24 तब येसु कहल्कै, “साच्चे हम तोरासबके कहैचियौ, कोनो भि अगमबक्ताके लोकसब आपन गाम-ठाममे मान-दान नै करैछै।
ऐहेन कहैत लोकसब येसुके इन्कार करल्कै। तब येसु ओइसबके कहल्कै, “अगमबक्ताके सब दिसन आदर हैछै महज आपन कर-कुटुमबसबके बिचमे आ आपन घरमे आदर नै हैछै।”
ओते ओकर बात सुइनके औरो बहौत गोरा ओकर उपर बिस्बास करल्कै।
(येसु आपने गबाही देनेछेलै, कि अगमबक्ताके आपने देसमे मान-दान नै हैछै।)
तब पावल कहल्कै, “हम किलिकियाके टारसस सहरमे जलमल यहुदी चियै, महज हमर अहै यहुदी सहरमे गुरु जी गमलिएलके चरनमे सिक्छा-दिक्छा भेलै। हमसब पिते-पुरखासे मानैत ऐल धरमसास्तरके सिक्छा हम असलसे सिख्ने चियै। आइ अहाँसब परमेस्वरिय सेबा परति जतहेक उत्साह देखेने चियै, हम्हु ओतबेहेक उत्साह देखेने रहियै।