18 “परमपरभुके आत्मा हमर उपरछै, गरिबसबके सुसमाचार सुनाइले उ हमरा अभिसेक कैरके पठाइने छै। बन्धनमे परलसबके छुटकाराके लेल, अन्हरासबके आँख देखैके लेल, अत्याचारमे परलाहासबके सोतन्तर करैके लेल,
अन्हरासब देखैछै, नेङरासब चलैछै, कोढि-कुस्टी लागलसब सुध हैछै, बैहरासब सुनैछै, मरलसब जिजाइछै आ दुखी गरिबसबके सुसमाचार सुनाइछै।
“हमर सेबकके देख, जकरा हम छान्ने चियै। ओकरासे हम एकदम खुसी चियै। हम आपन आत्मा ओकरमे राइखदेबै आ उ जाती-जातीके नियाइके घोसना करतै।
नै त उ सरल नरकटके तोरतै आ नै मिरी-मिरी बरैबला डिबियाके बुतेतै। अन्तमे उ नियाइके जितमे पुगेतै।
अन्हारमे बैठल लोकसब एकटा बरका इजोत देखने छै। जेसब मिरतुके छाह भेल परदेसमे बैठल छेलै, तकरासबमे इजोत चमकल छै।”
धैनके चियै आपनके आत्मिक रुपमे कमजोर बुझैबलासब, कथिलेत स्वरगके राज ओहिनेसबके चियै।
तब ओकरा यसैया अगमबक्ताके लिखल किताब परहैले देल्कै आ किताब खोइलके एहेन लिखल पन्ना निकालके परहल्कै,
येसु आपन चेलासबके ताकल्कै आ कहल्कै, “धैन तुहे, दीन-दुखीसब कथिलेत परमेस्वरके राज तोरेऔरके लेल चियौ!
तब येसु युहन्नाके चेलासबके कहल्कै, “जो, तुसब जे जे देखलिही आ सुनलिही, ज्याके युहन्नाके कैह दैहिए- अन्हरासब देखैछै, नेङरासब लरैछै, कोढि-कुस्टी लागलसब निक हैछै, बैहरासब सुनैछै, मरलसब जि जाइछै, दुखी गरिबसबके सुसमाचार सुनाइछै।
अन्दिरियास सबसे पहिने आपन भैया सिमोन पतरुसके भेटके कहल्कै, “हमसब मसिहके भेटलियै।” (हिबरु भसामे खिरिस्टके मसिह कहैछै।)
हम सन्सारके इजोत बैनके एलचियै, तैल्याके हमरा बिस्बास करैबला कोइने अन्हारमे रहतै।
परमेस्वरसे पठाएल लोक परमेस्वरेके बात बाजैछै कथिलेत परमेस्वर ओकरा आपन आत्मा भरपुर कैरके दैछै।
कनङ परमेस्वर नासरतके येसुके पबितर आत्मा आ सक्ती बिसेस रुपमे ओकरा देल्कै। उ कनङ भलाइके काम करैत गेलै, दियाबलसके सताबटमे परलहासबके निक करैत गेलै, कथिलेकी परमेस्वर ओकरसङे छेलै।
तु ओकरासबके आँख खोइलके अन्हारसे इजोतमे आ सैतानके बन्धनसे परमेस्वर दिसन घुमाबे। जैसे उसब हमरमे बिस्बास करे आ ओकरसबके पाप छमा भ्याजाय आ परमेस्वरके पबितर करल लोकसब रहल ठाममे रहे पाबे।’
परमपरभु आ ओकर अभिसिक्त जन खिरिस्टके बिरोधमे पिरथिबीके रजासब आ सासकसब एक ठाम जमा भेलै।
“साँचोके अहाँके अभिसेक करल पबितर सेबक येसुके बिरोधमे हेरोद आ पन्तियस पिलातस दुनुगोरा आन जात आ इजराएलीसबसङे अहै सहरमे जमा भेलरहै।
वह्या अपनासबके अन्हारके सक्तीसे छुटकरा द्याके आपन दुलरुवा बेटाके राजमे आन्ने छै।
हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, सुन। कि परमेस्वर सन्सारके गरिबसबके बिस्बासमे धनिक बनाके ओइ राजके हकदार हैकेलेल नै चुन्ने छै? ओह्या राज ओकरा परेम करैबलासबके उ दैले परतिग्या करनेचियै नै?
महज तुसब त परमेस्वरके छानल जन, राजकिय पुजारी, पबितर जाती, निजी परजा चिही। उ तोरासबके अन्हारसे ओकर अचमके इजोतमे आनल्कौ, ताकी तुसब ओकर आस्चरजके कामसबके घोसना करैले सक।