15 येसु ओइ ठामके यहुदी सभाघरमे सिक्छा देल्कै आ सबकोइ ओकर परसन्सा करे लाग्लै।
उ आपन गाम नासरतमे आइबके ओतेका सभाघरमे लोकसबके सिक्छा देबे लाग्लै। लोकसब ओकर बात सुइनके आस्चरज मानल्कै आ कहल्कै, “अकरा एहेन बुइध आ अजगुतके काम करैबला सक्ती कतेसे एलै?
येसु पुरे गालिल परदेसके सभाघरसबमे सिक्छा देबे लाग्लै, स्वरगके राजके सुसमाचार परचार करैत आ लोकसबमे लागल सब परकारके रोग-बिमारके निक करल्कै।
येसु सब सहर-सहर आ गाम-गाम घुमे लाग्लै। उ यहुदीसबके सभाघरसबमे सिक्छा दैत, परमेस्वरके राजके सुसमाचार सुनाइत आ लोकसबके हरेक किसिमके रोग-बिमारसे निक करैत गेलै।
जब लोकसबके भिर यि देखल्कै तब उसब डरा गेलै आ लोकसबके एहेन सक्ती दैबला परमेस्वरके परसन्सा करल्कै।
देखैबला सबलोक छक परलै आ आपनेमे बात करे लाग्लै, “यि केहन बचन चियै? यि केहन सक्ती आ अधिकार चियै, भुतोसबके आग्या करैछै त निकैल जाइछै।”
तब येसु पुरे गालिल इलाकामे घुम्लै आ सभाघरसबमे सिक्छा दैत आ लोकसबसे भुतसब निकालैत गेलै।
महज उ लोक बाहर निकैलके गेलै आ अपना निक भेल बात चारुदिसन परचार करे लाग्लै। तैल्याके येसु फेनो उ सहरमे लोकसबके अगा खुलस्त रुपमे आबैले नै सक्लै महज उ सुनसान जगहमे रहेलाग्लै। तैयो लोकसबके भिर चारुदिसनसे ओकरलग एलै।
एकचोटी पबितर बिसराम दिनमे येसु एकटा यहुदी सभाघरमे सिक्छा दैछेलै।
येसु नासरत गाममे एलै, जते उ बरहल छेलै। ओते उ पबितर बिसरामके दिन यहुदी सभाघरमे जाइ छेलै। पबितर धरमसास्तर परहैले ठार भेलै।