10 कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे येहेन लिखल छै, ‘तोरा बचाइले परमेस्वर आपन स्वरगदुतसबके पठाइतौ
आ उसब तोरा हाथे-हाथ लोइकलेतौ नै त तोहर टाङ पथलमे बजारलजेतौ।’”
ओइ बखत सैतान येसुके कहल्कै, “अहाँ परमेस्वरके बेटा चियै त यि पथलके आदेस करु ताकि रोटी बने।”
तब येसु ओकरा जबाफ देल्कै, “पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, ‘तु परमपरभु, खालि आपन परमेस्वरके गोर लाग आ ओकरेटा सेबा कर।’”
यि कोनो अचमके बात नै चियै, कथिलेकी सैतानो चम्कैबला स्वरगदुतके जखा भेस धारन करैछै।
स्वरगदुतसब त परमेस्वरके सेबा करैबला आत्मासब चियै। परमेस्वर ओकरासबके मुक्ती पाबैबला लोकसबके सहायता करैके लेल पठाइनेछै।