1 येसु पबितर आत्मासे भरपुर भ्याके यरदन लदीसे जब घुम्लै तब पबितर आत्मा येसुके उजार जगहमे ल्यागेलै।
तब येसु बप्तिस्मा ल्याके तुरन्ते पानीसे बाहर निकल्लै, तब स्वरग उघरलै आ उ परमेस्वरके आत्मा पौरकीके रुपमे आपन उपरमे आबैत देखल्कै।
पबितर आत्मासे अगुवाइ पाइबके सिमियोन परमेस्वरके मन्दिरमे गेलै। तखुन्ते नियम पुरा करैले मरियम आ योसेफ ओहो बालक येसुके ल्याके मन्दिरमे एलै।
युहन्ना यरदन लदीमे ज्याके चारु दिसरके लोकसबके परचार करे लाग्लै, “आपन-आपन पाप माइनके पस्चाताव कर आ बप्तिस्मा ले तब परमेस्वर तोरासबके पाप छमा कैरदेतौ।”
केनान एनोसके बेटा, एनोस सेतके बेटा, सेत आदमके बेटा, आदम परमेस्वरके बेटा छेलै।
येसु पबितर आत्माके सक्ती पाइबके गालिलमे घुइमके गेलै। से बात चारु दिसरके लोकसबके थाह भेलै।
“परमपरभुके आत्मा हमर उपरछै, गरिबसबके सुसमाचार सुनाइले उ हमरा अभिसेक कैरके पठाइने छै। बन्धनमे परलसबके छुटकाराके लेल, अन्हरासबके आँख देखैके लेल, अत्याचारमे परलाहासबके सोतन्तर करैके लेल,
युहन्ना अहिनङ कहैत गबाही देल्कै, “हम परमेस्वरके आत्माके पौरकीके रुपमे स्वरगसे उतैरके ओकर उपर बैठल देखलियै।
परमेस्वरसे पठाएल लोक परमेस्वरेके बात बाजैछै कथिलेत परमेस्वर ओकरा आपन आत्मा भरपुर कैरके दैछै।
येसु स्वरग जाइसे पहिने आपनेसे छानल परेरितसबके पबितर आत्माके सक्तिसे आग्या देल्कै।
कनङ परमेस्वर नासरतके येसुके पबितर आत्मा आ सक्ती बिसेस रुपमे ओकरा देल्कै। उ कनङ भलाइके काम करैत गेलै, दियाबलसके सताबटमे परलहासबके निक करैत गेलै, कथिलेकी परमेस्वर ओकरसङे छेलै।
महज जब उसब पानीसे बाहर निकललै तखुन्ते परभुके आत्मा फिलिपके दोसर जगह ल्यागेलै आ उ मुन्सी फिलिपके फेनो नै देखल्कै। उ खुसीसे गद-गद हैत आपन बाटमे बरहैत गेलै।