6 तब सब लोकसब परमेस्वरके मुक्ती देख्तै।’”
तब येसु उसबके कहल्कै, “जो आ सरा सन्सारमे ज्याके सरा सिरिस्टीके सब लोकसबके सुसमाचार परचार कर!
यहुदी आ गैर-यहुदी जातीमे कोनो फरक नै छै। उसबके एके परभु चियै आ ओकरा पुकारैबलासबके उ परसस्त कैरके आसिस दैछै।
ओनङ छै त, “तब कि उसब सुसमाचार नै सुन्नेछै से?” उसब साँचोके सुन्नेछै। परबितर धरमसास्तरमे एहन लिखलछै, “ओइसबके सुसमाचार पिरथिबीके सब ठाममे पुगलछै आ ओइसबके सन्देस सन्सारके कोना-कोनातक पुगलछै।”