30 जब येसु ओइसबसङे खाइले बैठलै तब उ रोटी ल्याके आसिरबाद देल्कै आ तोइरके ओइसबके देल्कै।
तकरबाद ओइ लोकसबके घासमे बैठ कैहके आग्या देल्कै आ उ रोटी आ माछ ल्याके स्वरग दिसन ताइकके परमेस्वरके धन्यबाद देल्कै, तकरबाद रोटी खाइरके चेलासबके देल्कै आ चेलासब ओइ लोकसबके परैस देल्कै।
तकरबाद उ सात रोटी आ माछसब ल्याके परमेस्वरके धन्यबाद देल्कै आ खाइरके चेलासबके परसैले देल्कै। तब चेलासब लोकसबके परैस देल्कै।
उसब भोज खाइते खिना येसु रोटी लेल्कै आ परमेस्वरके धन्यबाद देल्कै। उ रोटीके तोइरके चेलासबके देल्कै आ कहल्कै, “ले आ खो यि हमर देह चियौ।”
जब उसब भोज खाइत रहै तहै बखत येसु रोटी ल्याके परमेस्वरके धन्यबाद दैत तोइरके ओइसबके देल्कै आ कहल्कै, “ले, यि हमर देह चियौ।”
तब येसु पाँच रोटी आ दुइ माछ लके स्वरगदिसन ताकैत परमेस्वरसे आसिरबाद माङल्कै आ रोटीके टुकरा टुकरा करल्कै। लोकसबके बाइट दहै कैहके चेलासबके देल्कै। तहिनङे माछोसब बाइट देल्कै।
तकरबाद येसु लोकसबके भुइयामे बैठैले आदेस देल्कै आ सातटा रोटी ल्याके परमेस्वरके धन्यबाद चरहेल्कै आ रोटी तोइरके लोकसबके बाइट दहै कैहके चेलासबके देल्कै तब चेलासब सब लोकसबके बाइट देल्कै।
तकरबाद येसु रोटी लेल्कै आ परमेस्वरके धन्यबाद चरहेल्कै तब रोटी तोइरके ओइसबके देल्कै आ कहल्कै, “तोरासबके खातिर देल यि हमर देह चियौ। आबसे हमर यादमे तोरौरके ऐहनङे करैतरह।”
महज उसब येसुके कहल्कै, “हमरेसबसङे रहु, सुरुज डुइबगेलै आ रातो हैले लागल जाइछै” तब येसु ओहैसबसङे रहैले घर भितर ढुक्लै।
तब उ दुनुगोरा बाटमे भेल्हा बातसब आ उ रोटी तोरैतखिना कनङके उसब चिन्हल्कै सोहो बात सुन्यादेल्कै।
तब येसु ओइ पाँच रोटी आ दुइटा माछ लके स्वरग दिसन ताकैत परमेस्वरसे आसिरबाद माङल्कै आ तोइरके लोकसबके बाइटदैहे कैहके चेलासबके देल्कै।
तब येसु उ रोटी ल्याके परमेस्वरके धन्यबाद देल्कै आ बैठलहा लोकसबके खाइके लेल चेलासबके परसैले लगाइल्कै, तहिनङे माछोके परसैले लगाइल्कै। उ सबलोक अघा-अघाके खेल्कै।
उसब परेरितसबके उपदेस सुनैले, संगती, परभु भोज आ परथना करैले भक्तिसाथ लागल रहै।
उसब एकेमन भ्याके सबदिन मन्दिरमे जमा हैछेलै, घर-घरमे परभु भोज करै आ सबकोइ खुसी मनसे मिल-जुइलके खाइछेलै,
अतेक कैहके उ रोटी लेल्कै आ सबके सामने परमेस्वरके धन्यबाद देल्कै आ तोइरके खाइले लाग्लै।