19 तब येसु ओइसबके पुछल्कै, “कोन घटनासब?” उसब जबाब देल्कै, “येसु नासरतके बारेमे, उ एक गोरा अगमबक्ता रहै। उ परमेस्वर आ लोकसबके सामने काम आ बचनमे सक्तिसाली रहै।
अगा-पछा चलैबला भिरके लोकसब ओइसबके जबाफ देल्कै, “यि त गालिल परदेसके नासरतसे एल अगमबक्ता येसु चियै।”
“हौ, नासरतके येसु, अहाँके हमरासबसे कोन काम? अहाँ हमरासबके बरबाद करैले एलचियै? अहाँ के चियै से हमरा थाहछै, अहाँ परमेस्वरके पठेल्हा एकटा पबितर जन चियै।”
ओइ दुइ गोरामेसे क्लेओपास नामके येसुके पुछल्कै, “अहि यरुसलेमसे घुमफिर कैरके आबैचियै तैयो आइ-काइल घैटरहल घटना अहाँके थाह नै भेल?”
तब सबकोइ डेरागेलै आ परमेस्वरके परसन्सा करैत कहल्कै, “अपनासबके बिचमे एकटा बहुत बरका अगमबक्ता एलछै। परमेस्वर आपन लोकसबके बचाइले एलछै।”
राइतमे उ येसु लग आइबके कहल्कै, “गुरु जी, अहाँ परमेस्वरके पठाल गुरु चियै से हमसब जानैचियै, कथिलेत अहाँके करल अजगुतके कामसब जखा कोनो लोक परमेस्वरके सहायता बेगर करैले नै सक्तै।”
सामरी जनी कहल्कै, “मालिक, अहाँ अगमबक्ता चियै से बात आब हम जाइनगेलियै।
तब उ लोकसब येसुके करल अजगुतके काम देखके कहेलाग्लै, “अपनासबके आस करल सन्सारमे आबैबला अगमबक्ता साँचोके एह्या चियै।”
तब उसब ओकरा जबाफ देल्कै, “कि तुहु गालिली चिही? पबितर धरमसास्तरमे खोज आ तोरा थाह हेतौ कि, गालिलसे कोनो अगमबक्ता नै एतै।”
कनङ परमेस्वर नासरतके येसुके पबितर आत्मा आ सक्ती बिसेस रुपमे ओकरा देल्कै। उ कनङ भलाइके काम करैत गेलै, दियाबलसके सताबटमे परलहासबके निक करैत गेलै, कथिलेकी परमेस्वर ओकरसङे छेलै।
“इजराएलके लोकसब, यि बात सुन, नासरतके येसु एहेन लोक छेलै, जकरा परमेस्वर सक्तिसाली कामसब, अच्चमके कामसब आ चेन्हासबसे तोरौरके अगा साबित करल्कौ। तोरौरके थाहे छौ कि परमेस्वर तोरासबके बिचमे यि सब कामसब ओकरसे कराइने छै।
अहिनङे मिसरीके सब परकारके सिक्छा मोसाके दैतरहै आ मोसा बचन आ काम दुनुमे सक्तिसाली हैतगेलै।