4 पिलातस मुल पुजारीसबके आ भिर लागल लोकसबके कहल्कै, “हमरा यि लोकमे कोनो दोस नै भेटल।”
पिलातस नियाय आसनमे बैठल छेलै, तखनिए ओकर घरबाली ओकरा एहेन कैहके खबर पठेल्कै, “ओइ निरदोस लोकके कुछो नै करियौ! कथिलेकी आइ रात हम सपनामे ओकरे कारन बहुत दुख काटलियै।”
तब पिलातस फेनो ओइसबके कहल्कै, “कथिले? यि लोक कोनो खराबी करने छै से?” महज उसब औरो जोर-जोरसे हल्ला करतै रहलै, “अकरा कुरूसमे लटका!”
तब पिलातस तेसर बेर फेनो ओइसबके कहल्कै, “कथिले? यि लोक कोनो खराबी करने छै से? अकरा त मिरतुदन्ड दैके हमरा कोनो कारन नै भेटल, तै खातिर अकरा हम सजाय द्याके छोइरदेबै।”
पिलातस ओकरा कहल्कै, “सत कथी चियै?” अतबेहेक कैहके उ बाहर निकैलके यहुदीसब लग गेलै आ कहल्कै, “हमरा एकरमे कोनो दोस नै भेटलै।
महज हम यि लोक मिरतुदन्ड पाबैके कोनो दोस नै भेटलियै। तब उ आपने रोमी समराट कैसर लग जाइले बिन्ती करलाके कारन हम ओकरा कैसर लग पठाबैके निरनय करलियै।
अबराहम, इसहाक आ याकुबके परमेस्वर, अपनासब पुरखासबके परमेस्वर आपन सेबक येसुके महिमीत करल्कै, जकरा अहाँसब पकराइलियै आ पिलातस ओकरा छोइरदैके बिचार करल्कै तैयो अहाँसब ओकरा पिलातसके अगामे इन्कार करलियै।
अपनासबके लेल अहिनङे परधान पुजारीके आबसेक्ता छै। जे पबितर, निरदोस, सुधछै। परमेस्वर ओकरा पापी लोकसबसे छुटियाके सबसे उपर स्वरगमे राखल्कै।
महज येसु खिरिस्टके निरदोस आ अनमोल लहुसे तोरासबके छुटकरा देनेछौ। उ सुध आ निस्खोट बैलभोगमे चरहाबैबला थुमा छेलै।
उ नै त कोनो पाप करल्कै आ नै त ओकर मुहसे छलकपटके बात निकल्लै।
कथिलेकी अपनासबके परमेस्वरमे आनैके लेल खिरिस्ट धरमी भ्याके सेहो अधरमीसबके पापके लेल एकबेर सबदिनके लेल मरलै। उ देहमे मरलै महज परमेस्वर ओकरा आत्माके सक्तीसे जिबित करल्कै।