60 महज पतरुस कहल्कै, “धु मरदे, तोहे कथी कहैचहक, हम नै जानैचियै!” तहै बखत पतरुस बोलतैखिना मुरगा डाँक देल्कै।
येसु पतरुसके कहल्कै, “साँचोके हम तोरा कहैचियौ, आइ रातके मुरगा डाँकैसे पहिने तु हमरा नै चिन्हैचियै कैहके तिन बेर इन्कार करबिही।”
महज येसु ओकरा कहल्कै, “पतरुस, साँचोके हम तोरा कहैचियौ, आइ रातके मुरगा डाँकैसे पहिने तु हमरा नै चिन्हैचियौ कैहके तिन बेर इन्कार करबिही।”
पाछे लगभग एक घन्टा बितलाके बाद फेनो तेसर गोरा ओकरा देखके कहल्कै, “साँचोके यि लोक ओकरेसङे रहै, कथिलेत योहो लोक गालिली चियै।”
तब येसु घुइमके पतरुस दिसन ताकल्कै। “आइ मुरगा डाँकैसे पहिने तु हमरा तिन बेर इन्कार करबिही” परभुके कहलाहा बचन पतरुसके मनमे याद एलै।
तब पतरुस फेनो इन्कार करल्कै, तखुन्ते मुरगा डाँक देल्कै।