56 एकटा नोकरनी आइगके इजोतमे पतरुसके बैठल देखके गौरसे ताकल्कै आ कहल्कै, “योहो लोक येसुसङे छेलौ।”
पतरुस ओइ बाहर अङनामे बैठल छेलै। एकटा नोकरनी आइबके ओकरा कहल्कै, “अहुँ त गालिलके निबासी येसुके सङे छेलियै।”
ओहै दिन साँझमे येसु बारहो चेलासब सङे एलै।
महज येसु कहल्कै, “अकरा छोरदहै! कथिले तुसब अकरा हैरान करैचिही? यि त हमर खातिर बहौत असल काम करने छै।
येसु फेनो ओकर आँखमे आपन हाथ राखल्कै आ उ एकटक लग्याके ताकल्कै। तब ओकर आँखमे रोसनी एलै आ उ फेनो निकसे देखे लाग्लै।
लोकसब अङनाके बिचमे घुर पजाइरके तापैछेलै। उसब जम्मा भ्याके बैठल रहै। पतरुसो ओहै ठाम आइबके ओइसबसङे बैठलै।
महज पतरुस एहेन कैहके इन्कार करल्कै, “नै गे, हम ओकरा नै चिन्हैचियै!”
तब देहरीमे पहरा दैबाली छौरी पतरुसके कहल्कै, “कि तुहु ओइ लोकके चेलासबमेसे एक गोरे त नै चिही?” पतरुस जबाफ देल्कै, “हम नै चियै!”