53 हम सबदिन मन्दिरमे तोरेऔरकेसङे छेलियौ। महज हमरा पकरैले तोरौरके साहस नै करलिही। आब तोरौरके काम करैबला समय उहे चियौ आ सैतानके सक्ती ऐहनङे राज करतौ।”
जब येसु मन्दिरमे सिक्छा दैछेलै तब मुल पुजारीसब आ अगुवासब ओकरलग आइबके कहल्कै, “कोन अधिकारसे तु यि कामसब करैचिही? यि अधिकार तोरा के देल्कौ?”
महज ओकर बिरोधमे एल्हा मुल पुजारीसब, मन्दिरके चौकिदारसब आ अगुवासबके येसु कहल्कै, “कि हम डाकु चियै, जे तुसब हमरा पकरैले लाठी आ तलबार ल्याके एलचिही?
तब उसब येसुके पकरल्कै आ पकैरके ओकरा मुल पुजारीके घरमे आनल्कै। महज पतरुस दुरेसे ओकर पछा लागल गेलै।
“आब हमर मन बेचैन भेल छै, हम कथी कहु? कि हम यि कहबै ‘हे परमेस्वर पिता, आबैबला दुखसे हमरा बचाबु’? नै, एह्या कारनसे हम अइ समयतक आइबगेलियै।
तब यहुदा रोटीके खुन्डी ल्याके झटसिना बाहर निकैलके गेलै। ओइ बखत रात भेल छेलै।
आब हम तोरासबसङे बहुत बात नै करबौ, कथिलेकी अइ सन्सारके सासक आइबरहल छै। हमर उपर ओकर कोनो अधिकार नै छै।
तैखातिर उसब येसुके पकरैले ताकैछेलै, महज कोइ नै ओकर उपरमे हाथ लगाइल्कै। कथिलेत ओकर समय अखुन तलिक नै एलछेलै।
तब मन्दिरके पहरेदारसब मुल पुजारीसब आ फरिसीसब लग घुइमके एलै। उसब पहरेदारसबके कहल्कै, “तुसब कथिले येसुके पकैरके नै आनलिही?”
तु ओकरासबके आँख खोइलके अन्हारसे इजोतमे आ सैतानके बन्धनसे परमेस्वर दिसन घुमाबे। जैसे उसब हमरमे बिस्बास करे आ ओकरसबके पाप छमा भ्याजाय आ परमेस्वरके पबितर करल लोकसब रहल ठाममे रहे पाबे।’
कथिलेत अपनासबके लराइ देह आ लहुके बिरोधमे नै महज सासकसबके बिरोध, सक्तिसबके बिरोध, अखुन्का अन्हार जुगके सन्सारिक सासकसब आ स्वरगके ठामसबमे भेल दुस्ट आत्माके सेनासबके बिरोधमे चियै।
वह्या अपनासबके अन्हारके सक्तीसे छुटकरा द्याके आपन दुलरुवा बेटाके राजमे आन्ने छै।