5 यि बात सुइनके उसब खुसी भ्याके ओकरा पैसा दैले मन्जुर भेलै।
तब उ मुल पुजारी आ मन्दिरके लठैतसब लग ज्याके येसुके कनङके पकराइबै कैहके सर-सल्लाह करल्कै।
यहुदा राजी भेलै आ भिर-भार नै भेल्हा बखत येसुके पकरैले मौका ताके लाग्लै।
उ लोक अधरमके कमाइसे एकटा खेत किनल्कै। उ ओहै खेतमे मुहचुरिये खैसके मैरगेलै आ ओकर पेट फुइटके सब भोटी आंटी बाहर निकैल गेलै।
महज पतरुस कहल्कै, “सत्यानास हेबे तु आ तोहर पैसा-कौरी, कथिलेत परमेस्वरके बरदान रुपैया-पैसासे किने मिल्तै से बिचार करलिही।
उसब सिधा रस्ता छोइरके बओरके बेटा बालामके चलैबला बाटमे चलैछै, जे खराब काम कैरके रुपैया कमाबैके दाउमे छेलै।
उसब लोभमे पैरके झुठा बातसब बनाइतौ आ तोरासबसे फैदा उठेतौ। ओइसबके दन्डके आदेस पहिने भ्यागेल छै आ ओइसबके नास पक्के हेतै।
ओइसबके खातिर यि कतहेक डर हैबला बात चियै। उसब कयिनके देख्याल रस्ता चल्लै। पैसाके खातिर बलामके करलहा अधलाह कामके रस्ता गेलै तब उसब कोरह जखा बिरोध करल्कै आ उसब ओकरे जखा नास हेतै।