41 तब येसु ओइसबसे कन्हिक दुर गेलै आ ठेङहुनिया द्याके परथना करे लाग्लै,
उ कन्हिक अगा बैढके भुइयामे मुरी गोइतके अनङ कैहके परथना करेलाग्लै, “हे हमर पिता, यदी भ्यासकैछै त यि दुखके बाटी हमरासे हटा दिय, महज तैयो हमर इछा बमौजी नै, बल्की अहिके इछा बमौजी हेबे।”
तब कन्हिक दुर ज्याके येसु भुइयामे ठेङहुनिया देल्कै आ भ्यासकैछै त यि दुखके समय हमरसे दुर हेबे कैहके परथना करे लाग्लै।
फरिसी ठार भ्याके परथना करल्कै, ‘हे परमेस्वर, हम अहाँके धन्यबाद चरहाइचियै कथिलेत हम औरो लोकसब जखा लोभी, पापी, बेबिचारी आ यि बटीयो उठाइबला जखा नै चियै।
“महज उ बटी उठाइबला लोक दुरे ठार भ्याके स्वरग दिसन आँखके पलकियो नै मारके आपन छाति पिट-पिटके कहल्कै, ‘हे परमेस्वर, हम पापी उपर दया करु!’”
तब पावल अतबेहेक कैहके ठेङहुनिया मारल्कै आ सबकोइ मिलके परथना करल्कै।
जब जाइबला समय आइबगेलै तब हमसब बिदा भ्याके आपन रस्तामे अगा बरहलियै। चेलासब आपन घरबाली आ बाल-बच्चाकेसङे हमरासबके अरियातैले नगर बाहरतक एलै। हमसब समुन्दरके पखामे ठेङहुनिया द्याके परथना करलियै।
उ ठेङहुनिया द्याके जोरसे कहल्कै, “हे परभु, यि पापके दोस अकरौरके नै लागे।” अतहेक कहलाके बाद ओकर परान छुइटगेलै।
तकरबाद पतरुस सबलोकके घरसे बाहर निकालल्कै आ ठेङहुनिया द्याके परथना करल्कै। तब लहास दिसन घुइमके कहल्कै, “तबिता, उठ!” तब उ आँख उघारल्कै त सामनेमे पतरुसके देखके उइठके बैठलै।
येसु अइ सन्सारमे रहैतकाल मिरतुसे बचाबेबला परमेस्वरसङे जोरसे कानैत बिन्ती आ परथना करल्कै। ओकर नमरता आ भक्तीके कारन ओकर परथना परमेस्वर सुनल्कै।