36 तब येसु कहल्कै, “महज आबसे जकरसङे झोरा छौ, उ झोरा बोके, पैसा हैबला पैसा बोके आ जकरसङे तलबार नै छौ, उ आपन कुरता बेचके तलबार किने!
रस्ताके लेल नै झोरा, नै फेरैबला जमा-जोरा, नै जुता आ नै लाठी ले, कथिलेत जन आपन भोजन पाबैके योग्य हैछै।
येसु चेलासबके कहल्कै, “जब हम तोरौरके झोरा, जुता आ पैसे बेगर पठाइने छेलियौ, कि तोरौरके कोनो चिजके अभाब भेलौ?” उसब कहल्कै, “नै भेलै।”
हम तोरासबके कहैचियौ, ‘उ अपराधीसबसङे गनल गेलै’ यि पबितर धरमसास्तरमे लिखलाहा बातसब हमरमे पुरा हेबैये परतै। कथिलेत हमर बारेमे लिखल बातसब पुरा भ्यारहलछै।”
तब चेलासब कहल्कै, “हे परभु, देखु, अते दुइटा तलबार छै।” उ जबाफ देल्कै, “ओतबेसे से पुइग जेतौ।”
हम जे बातसब कहलियौ तै बातसबमे गौरसे बिचार कर कि ‘नोकर आपन मालिकसे बरका नै हैछै।’ सन्सारके लोकसब हमरा त सतेल्कै उसब तोरोसबके सताइतौ। यदी सन्सारके लोकसब हमर बात मान्तै त, तोरोसबके बात सेहो मान्तौ।
“हम तोरासबके यि बात अहै खातिर कहनेचियौ, कि हमरमे रैहके तोरासबके सान्ती हेबे। सन्सारमे तोरासबके सङकट हेतौ, महज साहस कर, हम सन्सारके जितलेने चियै।”
कथिलेकी तोरासबसङे रहै बखत अपनासब सताबट पैबे कैहके बेर-बेर कहने छेलियौ। हमर कहल बात हाथ लाग्बे कैलौ, से बात थाहे छौ।
खिरिस्ट आपन देहमे दुख भोगल्कै ओहिनङे तुहुसब सेहो ओकरे जखा सोच राख, कथिलेकी जे लोक देहमे दुख भोगनेछै, से पापसे दुर रहैछै।