34 महज येसु ओकरा कहल्कै, “पतरुस, साँचोके हम तोरा कहैचियौ, आइ रातके मुरगा डाँकैसे पहिने तु हमरा नै चिन्हैचियौ कैहके तिन बेर इन्कार करबिही।”
येसु पतरुसके कहल्कै, “साँचोके हम तोरा कहैचियौ, आइ रातके मुरगा डाँकैसे पहिने तु हमरा नै चिन्हैचियै कैहके तिन बेर इन्कार करबिही।”
तब पतरुस किरिया खाइत कहल्कै, “हम ओइ लोकके चिन्हबे नै करैचियै! यदी हमर बात झुठ हेतै त, परमेस्वर हमरा सराप देबे।” ठिक ओहि घरी मुरगा डाँक देल्कै।
तब येसु पतरुसके कहल्कै, “साँचोके, हम तोरा कहैचियौ, आइ रात मुरगा दुइबेर डाँक दैसे पैहने तु हमरा तिन बेर नै चिन्हैचियै कैहके इन्कार करबिही।”
पतरुस कहल्कै, “परभु, हम अहाँसङे जहलमे जाइले आ मरैले तयार चियै।”
येसु चेलासबके कहल्कै, “जब हम तोरौरके झोरा, जुता आ पैसे बेगर पठाइने छेलियौ, कि तोरौरके कोनो चिजके अभाब भेलौ?” उसब कहल्कै, “नै भेलै।”
तब येसु घुइमके पतरुस दिसन ताकल्कै। “आइ मुरगा डाँकैसे पहिने तु हमरा तिन बेर इन्कार करबिही” परभुके कहलाहा बचन पतरुसके मनमे याद एलै।
तब येसु जबाफदैत कहल्कै, “कि तु हमर लेल जानो द्यादेब्ही? साँचोके हम तोरा कहैचियौ, बिहान मुरगा डाँक दैसे पहिने तु हमरा तिन बेर इन्कार करबिही!”
तब पतरुस फेनो इन्कार करल्कै, तखुन्ते मुरगा डाँक देल्कै।