30 तब तुसब हमर राजमे हमरे सङे-सङे खेबही, पिब्ही आ इजराएलके बारहो कुलके नियाइ करैले राज गद्दीमे बैठबिही।”
येसु उसबके कहल्कै, “साँचेके हम तोरासबके कहैचियौ, नया सिरिस्टीमे जहिया मानबके पुतर आपन महिमाके सिंहासनमे बैठतै, तहिया तुहुसब बारह सिंहासनमे बैठबही आ इजराएलके बारह कुलके नियाइ करबिही।
धैनके चियै आपनके आत्मिक रुपमे कमजोर बुझैबलासब, कथिलेत स्वरगके राज ओहिनेसबके चियै।
हम तोरासबके कहैचियौ, बहुतो लोकसब पुरब आ पछिमसे एतौ आ अबराहम, इसहाक आ याकुबसङे स्वरगके राजमे भोजन खाइले बैठतै।
उ नोकरसब धैनके चियै, जब मालिक घर आबैछै त उसबके जागल देखैछै। साच्चे हम तोरासबके कहिचियौ, उ आपन डाँर कैसके ओकरासबके खियाइले बैठेतै आ आइबके सेबा करतै।
येसुसङे खाइले बैठलहा लोकसबमे से एक गोरे यि बात सुइनके ओकरा कहल्कै, “उ लोक धैनके है, जे परमेस्वरके राजमे भोजन पाबतै।”
यदी हमसब ओकरसङे दुख भोग्बै त, हमरौरके ओकरेसङे राज करबै। हमसब ओकरा इन्कार करबै त, ओहो हमरौरके इन्कार करतै।
हम याकुब, परमेस्वर आ परभु येसु खिरिस्टके सेवक यि चिठी चारुदिसन तितर-बितर भेल्हा यहुदी खिरिस्टीयनसबके लिखैचियौ। तोरासबके हमर गोरलगीछौ।
तब स्वरगदुत हमरा अनङ कहल्कै, “यि लिख, उसब धैनके चियै, जेसब थुमाके बियाहके नौता पाबल्कै।” उ हमरा फेनसे कहल्कै, “एह्या परमेस्वरके सत बचनसब चियै।”
जे जित्तै, हम ओकरा हमर सिंहासनमे हमरसङे बैठैले हक देबै, जनङ हम जितलियै आ आपन पितासङे ओकर सिंहासनमे बैठल चियै।’
उ सिंहासनके चारुओर चौबिसटा सिंहासनसब छेलै आ मुरमे सोनाके मुकुट आ उजर बस्तर पहिरने चौबिस गोरा धरमगुरुसब उ सिंहासनमे बैठल छेलै।