27 आब हमरा कह बरका के चियै? खाइले बैठल मालिक कि खाइले दैबला नोकर? कि खाइले बैठल मालिक नै चियै? महज हम त तोरौरके बिचमे एकटा नोकर नहाइत चियौ।
तैहनङे मानबोके बेटा दोसरसे सेबा लैले नै, महज सेबा करैले आ बहौत लोकसबके पापसे छुटकारा दैके खातिर आपन परान दैले एलछै।”
उ नोकरसब धैनके चियै, जब मालिक घर आबैछै त उसबके जागल देखैछै। साच्चे हम तोरासबके कहिचियौ, उ आपन डाँर कैसके ओकरासबके खियाइले बैठेतै आ आइबके सेबा करतै।
कथिलेकी अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके अनुगरह तोरासबके थाहे छौ, उ धनिक छेलै तयौ तोरासबके लेल उ गरिब भेलै ताकि ओकर गरिबीसे तुसब धनिक बनैले सक।