9 परभुके स्वरगदुत ओहै ठाम देखा परलै, तब परभुके इजोत चारुओर चरबाहासबके उपर चम्कलै आ उसब एकदमसे डेरागेलै।
महज जब योसेफ एह्या बातके बिचार करतै रहै, तब सपनामे परमपरभुके स्वरगदुत एलै आ ओकरा अनङ कहल्कै, “हौ दाउदके खानदानके योसेफ, तु मरियमके आपन घरबालीके रुपमे अपनाबैले नै डरा, कथिलेत जे ओकर पेटमे छौ, उ पबितर आत्मासे चियौ।
स्वरगदुत मरियम लग आइबके कहल्कै, “गोर लागैची! तुहे किरपा पाबनेचिही।”
रातमे आपन जेरके रखबारी करैबला चरबाहसब देखभाल करैत बेथलेहेमके ओहै ठामदिसन रहै।
यि बातसब देखके जनिजाइतसब अलमलमे परलै, अपरझट उजर चमकदार बस्तर पिन्हलहा दुइटा लोकसब कातमे ठडा भेल देखल्कै।
यसैया यि बात कहल्कै, कथिलेकी उ येसुके महिमा देखल्कै आ ओकर बारेमे बाज्लै।
तब अचानक परभुके एकटा स्वरगदुत ओते देखा परलै आ कोठलीमे इजोत चमकलै। स्वरगदुत पतरुसके हिल्याके कहल्कै, “झटसिन उठ!” तब ओकर हाथमे बान्हल सिकरीसब आपने खुइलके गिर गेलै।
आइएके रातमे, हम जै परमेस्वरके चियै आ जेकर हम सेबा करैचियै ओकर स्वरगदुत हमरलग खरा भ्याके कहल्कै कि,
महज ओहै रात परभुके एकटा स्वरगदुत जहलके केबारसब खोइल देल्कै आ बाहर लज्याके कहल्कै,
हमरासबके नै झापले चेहरासे परभुके महिमाके झलकाइचियै। परभु आत्मा चियै आ उ अपनासबके औरो आपनलखा महिमामय रुपमे परिबरतन कैरतेजेतै।
“अन्हारमे इजोत चम्के” कहैबला परमेस्वरे हमरासबके हिरदयमे इजोत चमकाइनेछै। अहैलेल परमेस्वरके महिमा महान चियै कैहके हमसब जानैचियै। साँचोके उ महिमामय ग्यानके इजोत खिरिस्टके चेहरामेछै।
परमेस्वरके परकट करल सत्यके सन्देस अचमके चियै आ अकरा कोइ नै इन्कार करे सक्तै। खिरिस्ट मानब बैनके परगट भेलै आ पबितर आत्मासे धरमी ठहरल गेलै। स्वरगदुतसब ओकरा देखल्कै आ जाती-जातीके बिचमे ओकर बारेमे परचार भेलै। सन्सारमे लोकसब ओकरा बिस्बास करल्कै आ उ महिमाके सङे स्वरगमे उठ्यालगेलै।
उ दिरिस्य एहैन भयानक छेलै कि, मोसा आपनेसे “हम डरसे थर-थर कापैछी” कहने छेलै।
तकरबाद हम स्वरगसे बरका अधिकार भेल एकटा दोसर स्वरगदुतके निचा आबैत देखलियै। ओकर चमकसे पुरे पिरथिबी इजोत भेलै।
तकरबाद हम एकटा बरका उजर सिंहासन आ ओइमे बैठैबलाके देखलियै। पिरथिबी आ अकास ओकर सामनेसे भाग्लै आ उसब फेनसे कहियो नै देखा परलै।