कि यि ओह्या काठ मिसतिरी नै चियै से? कि यि मरियमके बेटा आ याकुब, योसेफ, यहुदा आ सिमोन के भैया नै चियै से? कि अकर बहिनसब अपनासबके सङे नै छै से?” तब उसब पिताइलै आ ओकरा बिस्बासे नै करल्कै।
तब येसु ओकरासबके कहल्कै, “साँचोके तुसब हमरा यि फोकरा कहबिही, ‘ए बैध, तु अपने आपके निक कर।’ तोहे कफरनहुममे जे जतेक करलिही से हमरासबके सुन्ने छेलियौ, से आपने गाम-ठाममे कर।”