49 येसु जबाफ देल्कै, “तुसब हमरा कथिले खोजैचिही? हम आपन पिताके घरमे रहे परतै से बात तोरासबके थाह नै छेलौ?”
तब येसु मन्दिरमे गेलै आ किनबेच करैबलासबके ओतेसे बाहर निकाइलदेल्कै। उ पैसा भजाइबलाके टेबुलसब आ पेरबा बेचैबलासबके बैठैबला पिढियासब उल्टा-पुल्टा देल्कै।
येसुके देखके मरियम आ योसेफ आस्चरज मानल्कै, तब मरियम कहल्कै, “बेटा, तु हमरासबके कथी करलिही? देख त, तोहर बाप आ हम तोरा ताकैत-ताकैत थकित एलचियौ।”
येसु ओइसबके कहल्कै, “हमर खाइबला चिज यि चियै, जे हम आपन पठाबैबलाके इक्छा बमोजिम करनाइ आ ओकर काम पुरा करनाइ चियै।
महज येसु उसबके जबाफ देल्कै, “हमर पिता अखनियोतक काम कैरते छै आ हम्हु काम कैरते चियै।”
“महज युहन्नाके देल गबाहीयोसे बरका गबाही हमरलग छै। कथिलेत जे काम पुरा करैके लेल पिता हमरा देने छै, उ काम हम करैचियै आ ओह्या कामसब हमर बारेमे गबाही दैछै कि, पिते हमरा पठाइने छै।
हमर आपन इक्छा नै महज हमरा पठाइबलाके इक्छा पुरा करैले हम स्वरगसे एलचियै।
जे हमरा पठाइने छै उ हमरे सङे छै। उ हमरा असगरे नै छोरने छै, कथिलेत हम हरदम ओकरा खुसि बनाइबला काम करैचियै।”
हमरा पठाइबलाके कामसब अपनासबके दिन रहिते करे परतौ, कथिलेत रातके अन्हारमे कोइ नै काम करे सकैछै।