48 येसुके देखके मरियम आ योसेफ आस्चरज मानल्कै, तब मरियम कहल्कै, “बेटा, तु हमरासबके कथी करलिही? देख त, तोहर बाप आ हम तोरा ताकैत-ताकैत थकित एलचियौ।”
जब येसु भिरके लोकसबसङे बात कैररहल छेलै तखैन ओकर माँ आ भाइसब ओते एलै आ ओकरसे बात करैके लेल बाहरमे असियाल छेलै।
येसु जबाफ देल्कै, “तुसब हमरा कथिले खोजैचिही? हम आपन पिताके घरमे रहे परतै से बात तोरासबके थाह नै छेलौ?”
जब येसु तिस बरिसके रहै, तहै बखतसे परमेस्वरके बारेमे सिखाबे लाग्लै। लोकसब ओकरा योसेफके बेटा चियै से बुझहैत रहै। योसेफ एलीके बेटा छेलै,
सब लोकसब येसुके परसन्सा करल्कै आ अनुगरहसे भरल येसुके बचन सुइनके छक परलै। तब उसब कहैछेलै, “कि यि योसेफके बेटा नै चियै?”
तकरबाद फिलिप नथानेलके भेटके कहल्कै, “हमरासबके उ भेटलै जकर बारे धरमसास्तरमे मोसाके बेबस्था आ अगमबक्तासब सेहो लिखने छेलै। उ योसेफके बेटा नासरतके येसु चियै।”