29 “हे परमपरभु, अहाँ आपन बचन अनुसार आब आपन सेबकके सान्तीसाथ सन्सारसे छुट्टी दियौ।
“परमपरभु खिरिस्टके जाबेतक नै देखबिही ताबेतक तोहे नै मरबिही” यि बात पहिने पबितर आत्मासे थाह भेल छेलै।
तब सिमियोन बालकके आपन कोरामे लेल्कै आ परमेस्वरके धन्यबाद दैत कहल्कै,
हम त दोधारमे परल चियै। बरु अइ सन्सारसे बिदा भ्याके खिरिस्टसङे रहैके हमर बरका इक्छाछै, कथिलेकी यि एकदम असल बात चियै।
तब स्वरगसे हम एकटा एहेन अबाज सुनलियै, “यि बात लिख: आबसे परभुके सेबा करैत-करैत मरैबला लोक धन्यके चियै।” पबितर आत्मा अनङ जबाफ देल्कै, “साँचेके! उसब आपन आपन मेहनतसे आराम पाबतै, कथिलेत उसब आपन करल काम अनुसार इनाम पाबतै।”
तब उसब अनङ कहैत जोरसे चिच्याके कहल्कै, “हे सरबसक्तिमान, पबितर आ सत परभु, पिरथिबीमे हमरासबके मारैबलाके अहाँ कहियातक इन्साफ नै करबै आ हमरासबके लहुके बदला नै लेबै?”